• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

पटना क भगदड मे हेरा गेल सुशासन

November 20, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। छठ पर्व क मौका पर सांझ कए अर्घ क दौरान पटना क अदालतगंज घाट दिस जा रहल संकरी गली मे बिजली क तार स किछु लोक कए लागल करंट क बाद मचल भगदड़ मे घाट पर जेबा लेल बनल चचरी पुल ध्‍वस्‍त भ गेल जाहि स कम स कम 14 गोटे क मौत भ गेल जखन कि दू दर्जन स बेसी लोक घायल भेलथि। मरनिहार मे महिला आ बच्‍चा क संख्‍या बेसी अछि। पिछला एक दशक मे मंदिर आ अन्य स्थल पर भेल भगदड़ क कारण देश मे एक हजार स बेसी लोक क मौत भ चुकल अछि, मुदा पटना क घटना भगदड स बेसी प्रशासनिक मशीनरी क सक्रियता कए देखार केलक। भगदड क बाद जे किछु सामने आयल ओ बता देलक जे सरकार एहन कोनो घटना लेल तैयार नहि छल। राज्‍य में आपदा प्रबंधन विभाग एकटा मुर्दा विभाग बनल रहल। एहि विभाग क मंत्री आ अधिकारी क भूमिका सरकारक सुशासन क दावा कए पोल खोलि देलक। सब कए बुझल छल जे छठ क दौरान शहर मे भारी भीड जमा होइत अछि। सरकार लेल प्राकृतिक हादसा क संगहि असामाजिक आ उपद्रवी कार्रवाई लेल सेहो सचेत रहबाक जरूरत छल। अस्‍पताल, दमकल आ एंम्‍बुलेंस सन चीज कए चुस्‍त राखल जेबाक चाहैत छल, मुदा पटनाक प्रशासन एहन कोनो व्‍यवस्‍था नहि तैयार रखने छल। फेर कोन आधार पर कहल जाए जे सुशासन अछि। भगदड क बाद घटनास्थल पर देर राति तक अफरातफरी क स्थिति रहल। सूचना पाबि डीजीपी अभयानंद अदालतगंज घाट पहुंचलाह आ स्थिति कए सामान्‍य करबा मे जुटलाह मुदा आपदा प्रबंधन मंत्री बा अधिकारी क सक्रियता कतहु नहि देखबा लेल भेटल। बिहार घोषणा मंत्री चाहे लंदन जा पटना मेडिकल कालेज आ अस्पताल क खूबी आ बदलाव क गीत गाबि आबौथ मुदा एहि ठाम कोनो बदलाव भेल बा नहि स काल्हि देखार भ गेल। घायल कए पीएमसीएच आ निजी नर्सिग होम मे भर्ती कराउल गेल। मुदा पीएमसीएच मे इलाज क समुचित व्यवस्था क गप छोडू कोनो डॉक्‍टर तक नहि छल। पटना मेडिकल कॉलेज आ अस्पताल मे अजब अराजक आ भयावह माहौल देखल गेल। राजधानी क सबस पैघ अस्पताल पी.एम.सी.एच. क ईमर्जेन्सी मे कोनो डॉक्टर नहि छल। लोक सड़क पर आ अस्‍पताल क जमीन पर कोहराम मचा रहल छलाह। कियो हुनकर सुध लेनिहार नहि छल। घायल कए औटो, स्कूटर आ निजी वाहन स आनल जा रहल छल। एम्बुलेन्‍स क संख्या कतहु नहि देखा रहल छल। सब किछु भगवान भरोसे छल। लोक चिकित्सक कए तकैत रहलाह, मुदा घोषणामंत्री जेकां डॉक्‍टर सेहो घाट आ घर पर व्‍यस्‍त रहलाह। काफी हंगामा क बाद देर राति डाक्टर क व्यवस्था भेल। एहि बीच पीएमसीएच मे व्‍यवस्‍था एहन रहल जे मृतक क रूप मे राखल गेल पांच गोटे जिंदा निकलि गेल। पहिने जूनियर डाक्टर हिनका मृत बुझि इलाज तक नहि केने छल आ मीडिया कए मरनिहारक गिनती बढेबा मे लागल छल। परिजन क पहचान आ शव कए हटेबाक दौरान पांच गोटे क जीवित हेबाक प्रमाण भेटल। एकर बाद परिजन घायल कए पीएमसीएच स जबरन अपन कब्जा मे ल कए मगध अस्पताल गेलाह। पीएमसीएच मे परिजन पथराव सेहो केलथि।
घटना होइत रहैत अछि, मुदा सुशासन क प्रमाण घटनाक बाद क कार्यशैली स प्रमाणित होइत अछि। लालू राज मे जेहन सरकारी मशीनरी छल ओहि मे कोनो प्रकारक बदलाव देखार नहि भ रहल अछि। मुख्‍यमंत्री क क बयान आ परिजन कए दू-दू लाख क मुआवजा सुशासन क प्रमाण नहि थीक। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जेना दुर्घटना क तुरंत बाद मुख्यसचिव एके सिन्हा आ पुलिस महानिदेशक अभयानंद कए घटनास्थल पर जाकए राहत आ बचाव कार्य कए तेजी स चलेबाक निर्देश देलथि, ओहि स प्रमाणित होइत अछि जे सरकार पहिने स एहन कोनो घटना लेल तैयार नहि छल। आपदा प्रबंधन विभाग सचेत नहि छल। पीएमसीएच तैयार नहि छल। सवाल अछि सुशासन कतए अछि। अदालतगंज घाट पर भेल दुर्घटना पर राजनीतिक दल जेना राजनीति शुरू केलथि ओ बिहार लेल नव नहि अछि। सीबीआई जांच क मांग एकटा रटल रटायल मांग जेकां अछि। सरकार सेहो गृह सचिव कए एहि पर कार्रवाई करबाक आदेश देलक अछि। राजद प्रमुख लालू प्रसाद कहला अछि जे जे मंत्री ओहि चचरी पुल क उद्घाटन केने छलाह हुनका गिरफ्तार कैल जाए, मुदा लालू कोनो उदाहरण नहि देलाह जे देश मे एहन कोनो मंत्री क गिरफ्तार भेल अछि या ओ केने छथि बा नहि। हां, हुनक इ कहब जे पुल निर्माण स जुड़ल तमाम लोक पर केस हेबाक चाही, एहि पर सरकार कए पहल करबाक चाही।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

कामेश्‍वर सिंह क जयंती पर जुटताह देश क विद्वान

Esamaad Epaper Website

बिहार क हिस्‍सा मे पहिल बेर आयल सीबीआई निदेशक क पद

Esamaad Epaper Website

आब होएत नियोजित शिक्षक क स्थानांतरण

Comments 1

  1. Santoshi Kumar says:
    13 years ago

    Patnak ghatna ke purn wiwiran aur sab pahlu ke samachar prastut karbak lel dhanyawad. Kichhu bat apan kaha chahait chhi. Bahut nik banduk yadi kakro hath men rahat muda bullet outdated rahat ta ki o bahaduri dekha sakat? Ehan sena lay ka Nitish nischit kono jang jiti nahi sakait chathi. Muda bandukak bullet ta ham bihariye chhi. Susasan ta sab chahait achhi muda Doctor sab duty se absent rahait chhathi, e waih Doctor sab chhathi je pachhila sasan men aphrit bhela par sarkarak birodhi bhelah muda apan duty bisari gelah. Salry increasement ke lel hartalk samay janta Doctor ke sang bha jait achhi.Yaih sthiti sab bibhagak achhi. ta ki kaj karaik lel videsh se lok ayat aa darmaha pabai lel bihari. Sarkark sang-sang sarkari nokar aa lokak mansikta badla parat. Kichu upadravi tatwa jena sab tham kichhu fasad karak lel taiyar baisal rahait achhi. Mrit aa chotil lokak parijan ta badhawas chhalah pher PMCH men hangama kara wala ke chhalah? Doctor ke der se PMCH pahunchak ekta karan hangama seho achhi. Hunko sab ke ta apan janak dar awasya hetain. Upadrawi tatwa (public) besi tham saiyam chhori hinsa par utau bha rahal achhi je bar besi ghatak achhi. Rajniti kenihar khali bayanbaji kartah, yadi kono sahi rasata bhetbo karat ta hangama men samapt bha jayat. Ant men ekta aur bat Patna men bahut ras NGO sab seho apan MEMORNDUM OF ARTICLE men sarwajanik ayojan men sarkarak sahyog, apat sthiti men volentiers activities, Ganga ghatak safai etc. ke aswasan dene chhathi aa sarkar se khub anudan pabait chhathi se sab katau chhalah ki oho sab hath utha rahal chhalah?

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि