केतबा कोठलीक बनत मकान
* वन बीएचके-1434
* टू बीएचके-15924
* थ्री बीएचके-8920
* फोर बीएचके-432 फ्लैट
पटना- 12518
*बहादुरपुर क सेक्टर 5 मे 10.10 एकड़ जमीन पर 1596 फ्लैट क निर्माण, लोहियानगर क डीएस सेक्टर मे 4.20 एकड़ मे कामर्शियल कांप्लेक्स
*लोहियानगर एल सेक्टर क 1.41 एकड़ जमीन आ हनुमान नगर क 0.55 एकड़ जमीन पर व्यावसायिक कांप्लेक्स क होएत निर्माण
*कंकड़बाग क लोहियानगर मे बनल रेंटल फलैट्स, वीकर, स्लम आ जनता फ्लैट क स्थान पर 32.35 एकड़ भूमि पर 2488 फ्लैट आ व्यावसायिक संरचना क निर्माण होएत।
*बहादुरपुर क सेक्टर 3 आ 6 मे पुरान योजना क स्थान पर करीब 74.41 एकड़ जमीन पर 8454 फ्लैट आ वाणिज्यिक संरचना क पुनर्निर्माण होएत।
गया-12696
कटारी आ मुस्तफावाद क कुल 125 एकड़ खाली जमीन पर पुरान लेआउट प्लान क स्थान पर चरणबद्ध तरीका स करीब 12696 फ्लैट आ वाणिज्यिक संरचना क निर्माण होएत।
मुजफ्फरपुर-1496
दामोदरपुर स्थित करीब 21.75 एकड़ जमीन पर पुरान लआउट प्लान क स्थान पर करीब 1496 फलैट आ वाणिज्यिक संरचना क निर्माण होएत।
पटना । आवास बोर्ड क जमीन पर पटना, गया आ मुजफ्फरपुर मे करीब 27 हजार फ्लैट आ व्यावसायिक कांप्लेक्स बनबाक बाट साफ भ गेल। मंगलदिन मंत्रिपरिषद क बैसार मे एहि स संबंधित प्रस्ताव कए मंजूरी द देल गेल। एकर निर्माण पीपीपी (जन निजी भागीदारी) मोड मे होएत। बिहार सरकार एहि योजना पर 2009 स विचार क रहल छल। इसमाद अक्तूबर,09 मे एहि योजना पर पहिल बेर रिपोर्ट देने छल। आइ बैसार क बाद मंत्रिमंडल सचिव ब्रजेश मेहरोत्रा कहला जे एहि योजनाक तहत पुरान आ जर्जर भवन क स्थान पर नव भवन बनत। आवंटन मे पुरान लोक कए प्राथमिकता देल जाएत। एक, दू, तीन आ चारि बीएचके क फ्लैट बनत। व्यावसायिक परिसर क रूप मे माल, आफिस, होटल क निर्माण होएत। भूमि क बेसी स बेसी इस्तेमाल भ सकए ताहि लेल 16 स 19 मंजिला भवन बनत। इ प्रोजेक्ट 9275 करोड़ क अछि। एहि लेल राज्य सरकार अपन खजाना स राशि नहि देत बल्कि जमीन देत। बिल्डर ओहि जमीन पर हाउसिंग प्रोजेक्ट कए आकार देत। हाउसिंग प्रोजेक्ट क निर्माण मे ग्रीन बिल्डिंग कंसेप्ट क पूरा ध्यान राखल जाएत। पूरा क्षेत्रफल क लगभग 70-80 फीसद हिस्सा कए ग्रीन एरिया क रूप मे खुलल राखल जाएत। आवंटन 30 साल लेल लीज पर होएत। सशुल्क एकर नवीकरण होएत।
सम्बन्धित खबैर – बदलत बिहार हाउसिंग बोर्ड क चेहरा
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa