• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

पटना देखलक दरभंगा क रंगत

August 26, 2014
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना । साल 1941 स साल 2013 क बीच दरभंगा क सफर देखि पटना क लोक अभिभूत भेलाह । दरभंगा क महल क खूबसूरती कतहु स जयपुर वा अान जगह क महल स कमतर नहि छल। शहर क बनावट पैघ-पैघ शहर कए चुनौति द रहल छल । पोलो मैदान मे घोड क चालि आ एयरपोर्ट पर उतरैत जहाज क कतार बतेबा लेल काफी छल जे इ शहर जिंदा छल ,विकासित छल । दरभंगा क रंगत देखि लोक यैह सोचैत रहलाह जे काश एकरा कियो संरक्षित करि सकत। लोक कए बिहार क एहि धरोहर क तखन आ अखन मे आयल अंतर क एहसास शनिदिन विधानपरिषद क सभागार मे देखबा लेल भेटल । विकास झा क निर्देशन मे बनल करीब आधा दर्जन लघु फिल्‍म क एहि ठाम प्रदर्शन भेल। एक दिस जतय पुरान फिल्‍म कए देख लोक प्रसन्‍न भेलथि ओतहि दोसर दिस दरभंगाक दुर्दशा देखि अफसोस जाहिर केलथि ।
एक्‍सट्रीमीज फिल्‍म आ इसमाद डॉट कॉम क तत्‍वावधान मे आयोजित क्रोमेटिक दरभंगा कार्यक्रम मे दरभंगा स जुडल करीब 72 साल पुरान रंगीन फिल्‍म दिखाउल गेल। एकर अलावा संविधानसभा क पहिल बैसार मे तिरहुत सरकार क उपस्थिति कए एकटा फिल्‍म क माध्‍यम स देखाउल गेल। एकर बाद दूटा फिल्‍म दरभंगा क वर्तमान दशा कए देखेलक, जाहिमे स एकटा भारतेंदु दास क ‘एक यहीं कहीं दरभंगा था’ क लोकप्रिय कविता पर आधारित छल। फिल्‍म प्राइड ऑफ मिथिला जतए तिरहुत मे पर्यटन क संभावना कए देखेलक ओतहि एकटा फिल्‍म पटना मे तिरहुत सरकार क योगदान पर आधारित छल। एहि मे हार्डिंग पार्क, छज्‍जूबाग आ रेलवे स्‍टेशन पर तांगा पडाव सन धरोहर पटना कए समर्पित करबाक आ पटना मे पेयजल योजना आ मेडिकल कॉलेज शुरु करबाक लेल धन मुहैया करेबाक चित्रण छल। एहि मौका पर भैरव लाल दास क अगुवाई मे आयोजित परिचर्चा मे भाग लैत बिहार संग्रहालय क पूर्व निदेशक उमेश चंद्र द्विवेदी तिरहुत क राजधानी क तुलना जयपुर स करैत कहला जे दूनू शहर क निर्माण मे कोनो बहुत पैघ कालखंड क अंतर नहि अछि। बस जयपुर कए दिल्‍ली स लग भेलाक फायदा भेटल आ ओकर मार्केटिंग सही रूप स भेल, जखन कि दरभंगा दिस ककरो नजरि नहि गेल। ओ कहला जे अगर दरभंगाक सही ढंग से मार्केटिंग कैल जाये त एहि ठाम पर्यटनक अपार संभावना अछि। ओ कहला जे पश्चिम आ दक्षिण भारत जेकां बिहार क लोक मे धरोहर कए संग्रहित करबाक जज्‍बा नहि अछि। जयपुर महाराजा संग्रहालय क कर्मचारी क वेतन ओकर टिकट बिक्री स आबि जाइत अछि जखनकि दरभंगा महाराजा क संग्रहालय लेल बेहतर भवन तक उपलब्‍ध नहि अछि। ओ कहला जे हुनका इ कहबा में कोनो हर्ज नहि अछि जे बिहार मे दरभंगा सन सुसज्जित शहर दोसर नहि अछि। दरभंगा सन महल बिहार क दोसर शहर मे नहि अछि। मुंगेर क बाद केवल दरभंगा मे आब किला बचल अछि। पर्यटन क अपार संभावना क बावजूद दरभंगा धरोहर क संग्रहालय नहि बनि सकल इ दुखद अछि।
एएसआइ क पदाधिकारी सुनील झा तिरहुत क इतिहास कए दुनिया क इतिहास बता एकटा नव जानकारी सार्वजनिक केलथि। श्री झा कहला जे  एखन धरि क ज्ञात इतिहास स कहीं बेसी पुरान इतिहास बलिराजगढ क खुदाई स सामने आयल अछि। एखन धरि इ मानल जा रहल छल जे बलिराजगढ ईशापूर्व दोसर शताब्‍दी क इतिहास छै, मुदा
हाल मे भेल खुदाई स इ साबित भेल जे बलिराजगढ क इतिहास ईशापूर्व छठम शताब्‍दी क इतिहास अछि, जे दुनिया सबस पुराना इतिहास कहल जा सकैत अछि। ओ
कहला जे असगर बलिराजगढ देखबा लेल दुनिया भरि लोक दरभंगा आउत। बस जरुरत छै सही तरीका स धरोहर कए रखबाक। परिचर्चा क अध्‍यक्ष आ समाजशास्‍त्री डॉ
हेतुकर झा दरभंगा आ गांधी क चर्चा करैत खुलासा केलथि जे जखन गांधी कए भारत मे कियो नहि जनैत छल तखन रंग भेद स लडबा लेल तिरहुत स दक्षिण अफ्रीका हुनका टका पठाउल जाइत छल। बाद मे जखन गांधी भारत एलाह त ओ तिरहुत सरकार स कांग्रेस लेल आर्थिक मदद मंगलथि । डॉ झा क दावा छल जे गांधी स परिचय क कारण कांग्रेस कए तिरहुत सरकार स धन भेटैत रहल। डॉ झा कहला जे दरभंगा स्‍थानीय या राष्‍ट्रीय स्‍तर पर प्रभाव छोडनिहार नहि छल बल्कि इ शहर क प्रभाव त अंतरराष्‍ट्रीय स्‍तर पर छल। आइ दरभंगा क लोक इ बिसरी गेल। दरभंगा जे आजादी क काल में देश क 15 म विकसित शहर छल आइ पता नहि बिहारक केयम नंबरक शहर बनि गेल अछि। डॉ झा कहला जे ओहर शहर कहियो विकास नहि करैत अछि जेकर आम जनता ओकर इतिहास आ धरोहर क प्रति सचेत नहि रहैत अछि। एहि कार्यक्रम क सूत्रधार भैरव लाल दास कहला जे दरभंगा कए ककरो स शिकायत नहि अछि। दरभंगाक छोट सन मांग छै जे ओकर संपत्ति और धरोहर क संरक्षण कैल जाये, देश क आन शहर जेकां ओकर आत्‍मा कए सेहो संरक्षित कैल जाये। राजाक महल आ राजा क संपत्ति सब ठाम अछि, ओकर इतिहास हमर इतिहस छी, मुदा एकर मतलब इ नहि जे राजा क नीक कल्‍पना कए हम सेहो ध्‍वस्‍त क दी। दिल्‍ली लालकिला सेहो कोनो राजा बनौलक मुदा हमरा ओहि लाल किला पर गर्व अछि, इ विधानसभा क भवन सेहो अंग्रेज बनौलक मुदा हम एहि भवन में गर्व स ढार छी, तखन तिरहुत सरकार क बनाउल भवन आ धरोहर स घृणा किया औकरा संग दुश्‍मन क संपत्ति सन व्‍यवहार किया। श्री दास एहि मुहिम कए अंतिम परिणाम तक पहुंचेबाक संकल्‍प लैत दरभंगाक नीक भविरूश्‍ क कामना केलथि। आगत अतिथि कए इसमाद मेंटर ग्रुप क सदस्‍य रमणदत्‍त झा धन्‍यवाद देलथि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

दू दशक बाद कांग्रेस केलक भागलपुर पर कब्‍जा

Esamaad Epaper Website

बिहार मे शुरू भेल हीरो साइकिल क उत्पादन

Esamaad Epaper Website

आब खेत मे उपजत मखान

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि