इ मंदिर आय क मामले मे उत्तर भारत मे वैष्णो देवी मंदिर क बाद दोसर स्थान पर अछि
पटना। पटना क प्रसिद्ध महावीर मंदिर मे पिछला वित्तीय वर्ष मे एक करोड़ 71 लाख टका स बेसीक नैवेद्यम क बिक्री भेल अछि, जखन कि मंदिर कए कुल चारि करोड़ स बेसीक आय भेल अछि। महावीर मंदिर न्यास समिति क सचिव किशोर कुणाल सोमदिन कहला जे वित्तीय वर्ष 2009-10 मे महावीर मंदिर क कुल आय 4,04,85,077 रहल। एहि प्रकार स इ मंदिर आय क मामले मे उत्तर भारत मे वैष्णो देवी मंदिर क बाद दोसर स्थान पर अछि। ओ कहला जे मंदिर कए सिर्फ नैवेद्यम स 1,71,17,000 क आय भेल अछि। एकर अलावा दानपात्र स 114 करोड़ क आय प्राप्त भेल अछि, जखनकि धार्मिक कर्मकांड स 84,48,016, धार्मिक पुस्तक आ रत्न क बिक्री स 17.22 लाख क आय भेल अछि। एकर अतिरिक्त मंदिर कए 11.65 लाख क आय अन्य स्त्रोत स भेल अछि। कुणाल क अनुसार मंदिर क आय मे स तीन करोड़ टका कई प्रकार क लोक कल्याणकारी कार्य मे खर्च कैल जाएत। एहि मंदिर क आय मे स एकटा पैघ राशि महावीर कैंसर संस्थान कए सेहो देल जाइत अछि।