• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

पटना हवाईअडडा लेल निवेश करबा स भागि रहल अछि एएआई : नीतीश

June 12, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। बिहार सरकार पटना हवाई अडडा क मुद्दा पर सख्त रुख अख्तियार क लेलक अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे अगर भारतीय हवाई पत्तन प्राधिकरण (एएआई) पटना हवाई अड्डा क क्षेत्र मे विस्तार करए चाहैत अछि त हम एहि मामला मे मदद लेल तैयार छी। हम हुनका जमीन चिन्हित करि कए द देब, फेर हुनका भूमि अधिग्रहण क खर्च लागत। दरअसल, एहि खर्च स बचबा लेल ओ बेर-बेर एहि मामला मे टालमटोल क रहल छथि। अगर ओ एयरपोर्ट कए दोसर जगह ल जेबाक योजना बना रहल छथि त ओ एहि गपक सूचना सेहो राज्‍य सरकार कए दथि। हम एहि मामला मे सेहो हुनका भूमि देबा लेल सरकार तैयार छी, मुदा हुनका भूमि अधिग्रहण क खर्च त दियए पडत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे राज्य सरकार एहि संबंध मे हर मुमकिन मदद करबा लेल तैयार अछि, मुदा भारतीय हवाई पत्तन प्राधिकरण (एएआई) हर क्षण अपन रुख बदलैत रहैत अछि जाहि स काफी दिक्कत भ रहल अछि। ओ कहला जे अगर एएआई पटना हवाई अड्डा कए बंद करै चाहैत अछि, त हुनका एकरा बंद करि देबाक चाही। कुमार कहला जे एहि संबंध मे हम पूरा मदद करबा लेल तैयार छी। एहि मामला पर हम खुद पूर्व नागरिक उड्डयन मंत्री प्रफुल्ल पटेल स गप केने रही। तखन एकटा योजना पर सहमति सेहो बनल छल, मुदा किछु दिन क बाद मंत्रालय क अधिकारी ओहि सहमति स मुकरि गेलाह। एकर बाद सेहो हमर अधिकारी मंत्रालय क संग गप करैत रहलाह, मुदा मंत्रालय क अधिकारी सब बेर अपन गप बदलैत रहलाह। जखन नई दिल्ली मे अधिकारी बदलैत अछि, त ओकर संगहि मंत्रालय क नीति सेहो बदलि जाइत अछि। एहन मे हम भला कोना काज क सकैत छी?’ पटना हवाई अड्डा क नाम पर आब केंद्र सरकार संजय गांधी जैविक उद्यान कए खत्‍म करबाक प्रयास मे अछि। इ हमरा मंजूर नहि। ओ कहला जे एहि पर फिलहाल काज भ रहल अछि, मुदा हम एकटा हवाई अड्डा क कारण अपन हरित क्षेत्र कए बर्बाद त नहि क सकैत छी। हम साफ निर्देश दे चुकल छी जे कोनो गाछ कए कटबा स पूर्व वन विभाग क मंजूरी जरूरी होएत। कुमार साफ कहला जे अगर ओ एहि हवाई अड्डा कए बंद करबाक इच्‍छा रखैत छथि त हम कहब जे ओ एकरा बंद क दथि। मुदा इ हुनकर विफलता होएत, हमर नहि। आखिर हवाई यातायात केंद्र सरकार क दायरा मे अबैत अछि।
एकटा अन्‍य सवालक उत्‍तर मे मुख्‍यमंत्री कहला जे बिहार मे विकासक गति आओर तेज भ सकैत अछि मुदा केंद्र बिहारक योजना कए ठमका रखने अछि। ओ कहला जे रेलवे क पुल सबहक निर्माण मे शिथिलता बिहार क विकास मे बाधक बनल अछि। ओ कहला जे पता नहि रेलवे क मुनाफा कतए चल गेल? खुद रेल मंत्री रहि चुकल नीतीश कुमार कहला जे रेलवे क परियोजना बिहार मे एतबा मंथर गति स चलि रहल अछि जे इ कहब मुश्किल अछि जे इ कोन दशक मे पूरा होएत। ओ कहला जे राजग क कार्यकाल मे जाहि परियोजना क तारीख तय करि देल गेल छल ओहि मे लगातार देरी भ रहल अछि। ओ कहला जे गंगा पर मोकामा आ बख्तियारपुर मे रेल पुल निर्माण मे देरी बिहार क प्रति रेल मंत्रालय आ केंद्र क रुख कए देखा रहल अछि। राज्य सरकार सड़क बनेबा लेल टका द देलक अछि मुदा रेलवे पाछु अछि। गंगा नदी पर बनल महात्मा गांधी सेतु पर केंद्र क अनदेखी त जग जाहिर अछि। नीतीश कहला जे हम कई बेर पुल क समस्या कए समाधान देलहुं आ केंद्र ओकरा बेर बेर नामंजूर क देलक। एहन मे की कैल जा सकैत अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

सीमेंट खपत क मामला मे बिहार सबस आगू

Esamaad Epaper Website

दरभंगा लेल वाइपास योजना कए मंजूरी

Esamaad Epaper Website

जंग लडबा लेल जंग छोडेबाक कोशिश

Comments 2

  1. Dr. Shashidhar kumar says:
    13 years ago

    एकटा अन्‍य सवालक उत्‍तर मे मुख्‍यमंत्री कहला जे बिहार मे विकासक गति आओर तेज भ सकैत अछि मुदा केंद्र बिहारक योजना कए ठमका रखने अछि। ओ कहला जे रेलवे क पुल सबहक निर्माण मे शिथिलता बिहार क विकास मे बाधक बनल अछि। ओ कहला जे पता नहि रेलवे क मुनाफा कतए चल गेल? खुद रेल मंत्री रहि चुकल नीतीश कुमार कहला जे रेलवे क परियोजना बिहार मे एतबा मंथर गति स चलि रहल अछि जे इ कहब मुश्किल अछि जे इ कोन दशक मे पूरा होएत। ओ कहला जे राजग क कार्यकाल मे जाहि परियोजना क तारीख तय करि देल गेल छल ओहि मे लगातार देरी भ रहल अछि। ओ कहला जे गंगा पर मोकामा आ बख्तियारपुर मे रेल पुल निर्माण मे देरी बिहार क प्रति रेल मंत्रालय आ केंद्र क रुख कए देखा रहल अछि।……………………..गंगा नदी पर बनल महात्मा गांधी सेतु पर केंद्र क अनदेखी त जग जाहिर अछि। …………………………………………..सही गप्प ।

    Reply
  2. Dr. Shashidhar kumar says:
    13 years ago

    पटनाक हवाई अड्डा देशक दोसर (लेह केर बाद) सभसँ खतरनाक हवाई अड्डा थिक । बिहारी यात्री सभक जान सँ एहि प्रकार खेलब केन्द्र – सरकार लेल उचित नञि ।

    संगहि छोट रनवे होयबाक कारणेँ “यात्री भाड़ा” सेहो देशक आन शहरक अपेक्षा बेसी अछि ।

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि