• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

परमानंद आ सैफालिका कए मिथिला विभूति सम्मान

May 6, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

Mithila Vibhutiनयी दिल्ली । अखिल भारतीय मिथिला संघ अपन 48 म आयोजन में पहिल मैथिली निर्देशक सी परमानंद आ एहि साल साहित्य अकादमी स पुरस्कृत लेखिका सैफालिका वर्मा समेत किछु आओर गोटे कए मिथिला विभूति सम्मान देलक अछि। दिल्ली मे मिथिला क सांस्कृतिक विरासत, धरोहर, कला आ भाषा क झंडा उठेनिहार एहि संस्था क पुरस्कार सूची एहि बेर सेहो विवाद स अछूत नहि रहल। एहि साल सेहो मैथिली नाटक कए न केवल दिल्ली बल्कि समस्त देश मे शिखर पर पहुंचा देनिहार प्रकाश झा आ मैथिली पत्रकारिता लेल पाथर पर दुइब साबित भेल मिथिला आवाज क सीइओ अजित आजाद क नाम सूची मे नहि देखायल। जहां धरि परमांनद जीक सवाल अछि त एहि संस्था कए सी परमांनद कए मिथिला विभूति मानबा मे 48 साल लागि गेल, जखनकि मैथिली फिल्म पिछला साल अपन 50म वर्षगांठ मनेलक अछि। सैफालिका वर्मा कए सेहो इ पुरस्कार देरी स भेटल। कतहु नहि कतहु साहित्य अकादमी स पुरस्कृत भेलाक बाद हुनका इ पुरस्कार देबाक संस्था क मजबूरी छल।
कर्यक्रम क शुरुआत बुद्धिनाथ झा क मंच संचालन स भेल, जाहि मे ओ अपन अद्भुत कविता शैली स दर्शक कए मंत्रमुग्ध क देलथि। तेकर बाद रंजना झाक गौसाउनि गीत जय जय भैरवी क गायन भेल। गीतक बाद मंच पर मुख्य अतिथि सब मंचासीन भेलथि। मुख्य अतिथि आ कर्यक्रम उद्घाटनकर्ता छलथि पद्मश्री डा. गजेन्द्र नारायण सिंह। हिनका संग मंच पर मौजूद छलाह महाबल मिश्रा (संसद, पश्चिमी दिल्ली), अनिल कुमार शर्मा (सीएमडी,आम्रपाली ग्रुप), डा. एससीएल गुप्ता (विधयाक, संगम विहार) आ डॉ जगन्नाथ मिश्र क जेठपुत्र संजीव मिश्रा। कार्यक्रम मे रश्मि रानी क स्वागत गीत ‘मंगलमय दिन आजू हे पाहून छथि आयल’ दर्शक आ अतिथि क मोन जीत लेलक।
कर्यक्रम क स्वागताध्यक्ष जगन्नाथ मिश्र क पुत्र श्री संजीव मिश्रा कहला जे इतिहास भविष्य नहि देखबैत अछि, अपितु वर्तमान भविष्यक नींव रखैत छथि। श्री मिश्र क इ कथन कतहु नहि कतहु ओहन लोक कए बचेबा लेल छल जे मैथिली क वर्तमान हालात लेल इतिहास मे दोषी अछि। श्री मिश्र अपन भाषण मे मैथिली संस्कृति पर सेहो चोट केलथि आ अंतरजातीय विवाह कए समर्थन केलथि। श्री मिश्र कहला जे मिथिलाक लोक कए आब विवाह लेल जातिक बंधन तोडबाक चाही आ बहुजातीय विवाह कए स्वीकार करबाक चाही। श्री मिश्र स ठीक उलट विचार डा गजेन्द्र नारायण सिंह क छल। श्री सिंह कहला जे आधुनिकताक मतलब मिथिला क संस्कार स हटब नहि भ सकैत अछि। ओ कहलथि जे देसिल बयना सब जन मिठ्ठा। ओ कहलथि जे गीतकार सब अपन गीत मे मैथिली क सुगंध कए बचा कए राखू। एकरा आधुनिकता क रंग मे नहि रांगल जाए। ओ कहलथि जे आधुनिकता क मतलब इ नहि होयत अछि जे हम अपन पहचान मिटा दी। सांसद महाबल मिश्रा कहलथि जे पाग मिथिला क पहचान अछि एकरा कोनो नन मैथिल क माथ पर नहि देल जाए। एससीएल गुप्ता कहलथि जे दिल्ली मिथिलांचल क बिना अधूरा अछि। दिल्ली क रफी मार्ग स्थित मावलंकर सभागार आयोजित एहि समारोह मे मिथिला क मशहूर कलाकारक गायन आ नृत्य क दर्शक लोकनि आनंद उठेलनि। ओना करीब दू घंटा तक भाषण आ पुरस्कार वितरण क कार्यक्रम चलबा स क्षुब्ध दर्शन सांस्कृतिक कार्यक्रम क दौरान सभागार स चलि गेल छलाह। कार्यक्रम क अंत विकाश झा, धनिक लाल मंडल आदि क गीत स भेल। पूरा कार्यक्रम मे एक दिस जतए संगीत पक्ष आ नृत्य पक्ष मजबूत छल ओतहि साउंड क झंकार दर्शक कए कर्णकटु लागल। मिथिलेश क कोरियोग्राफी मे भेल नृत्य पर दर्शक खूब थोपड़ी बजेलक। कुल मिला कए दर्शक क भरपूर मनोरंजन भेल।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार कए रोशन करबा लेल 13 अरब खर्च करत अमेरिकी कंपनी

तय भेल नालंदा विश्वविद्यालय क वास्तुशिल्प

Esamaad Epaper Website

पटना, गया आ मुजफ्फरपुर मे 27 हजार फ्लैट कए मंजूरी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि