पटना। विकास लेल मशहूर गुजरात कए पछाडि बिहार भारत मे सबस तेज़ विकास करनिहार राज्य बनि गेल, मुदा एकटा आर क्षेत्र मे बिहार सबकए पाछु छोडि देलक अछि आ ओ क्षेत्र अछि पर्यटन क क्षेत्र। ग्यारहवीं पंचवर्षीय योजना क दौरान गुजरात क 9.3 फीसदी विकास दर क मुकाबला मे 10.9 प्रतिशत क विकास दर दर्ज करनिहार बिहार विदेशी पर्यटकक मामला मे सेहो गोवा आ राजस्थान सन राज्य कए काफी पाछु छोडि देलक अछि। ताजा आंकडा क अनुसार बिहार मे पर्यटक क संख्या मे लगातार वृद्घि भ रहल अछि। राज्य मे पिछला साल अक्टूबर तक डेढ़ करोड़ स बेसी पर्यटक बिहार आबि चुकला अछि। पर्यटन मंत्री सुनील कुमार पिंटू पर्यटक क संख्या पर संतोष व्यक्त करैत कहला अछि जे भारत सरकार स प्राप्त आंकडा क अनुसार वर्ष 2011 मे 9 लाख 72 हजार विदेशी पर्यटक एलाह, जाहि मे कालचक्र समारोह मे शामिल 2 लाख 75 हजार पर्यटक सेहो शामिल छथि। वर्ष 2011 मे एक करोड़ 84 लाख पर्यटक बिहार आयल छलाह।ओ कहला जे पिछला साल वर्ष अक्टूबर तक एक करोड़ 88 लाख पर्यटक बिहार आबि चुकल छथि। पर्यटन मंत्री कहला जे एहि वर्ष पटना क समीप दियारा मे करीब 3000 लोक क्रिसमस मनेबा लेल पहुंचलथि। ओ कहला जे पर्यटक कए आकर्षित करबा लेल सरकार 14 जनवरी कए पतंग महोत्सव कए सेहो पैघ पैमाना पर आयोजित करबाक योजना बनेलक अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर