दरभंगा। केंद्र प्रायोजित योजना क निगरानी लेल गठित जिला सतर्कता सह निगरानी समिति क बैसार मे पहिल बेर दरभंगा जिलाक तीनू सांसद उपस्थित भेलाह। विकास भवन क सभागार मे भेल एहि बैसार मे ओना सबटा विधायक मौजूद नहि छलाह, जाहि स पता चलैत अछि जे एखनो जनप्रतिनिधि मे क्षेत्रक विकास लेल ओ गंभीरता नहि आयल अछि जेकर कल्पना लोकतंत्र मे कैल जाइत अछि। बैसार क अध्यक्षता करैत दरभंगाक सांसद कीर्ति आजाद योजना क कार्यान्वयन मे पारदर्शिता पर जोर देलथि आ निर्धारित समय सीमा क भीतर योजना कए पूरा करबाक आवश्यकता जतौलथि। सांसद हुक्मदेव नारायण यादव कहला जे केंद्र प्रायोजित योजना कए जमीन पर उतारबा लेल सम्यक प्रयास क जरूरत अछि। ओतहि सांसद महेश्वर हजारी कहला जे ग्रामीण विकास स जुडल योजना पर विकास क बुनियाद टिकल अछि। बैसार मे दरभंगाक नगर विधायक संजय सरावगी शहरी क्षेत्र मे जलापूर्ति आ ग्रामीण क्षेत्र मे चापाकल लगेबा मे भ रहल देरी पर चिंता प्रकट केलथि। बहादुरपुर क विधायक मदन सहनी प्रधानमंत्री ग्राम सड़क योजना क तहत बनि रहल सड़क क निर्माण गाम तक भेला पर चिंता प्रकट केलथि। बैसार मे जाले क विधायक विजय कुमार मिश्र, केवटी क विधायक अशोक कुमार यादव, बेनीपुर क विधायक गोपालजी ठाकुर आ कुशेश्वरस्थान क विधायक शशिभूषण हजारी सेहो अपन-अपन क्षेत्र क समस्या दिस ध्यान दियौलथि। एहि स पूर्व पिछला बैसार मे लेल गेल निर्णय क अनुपालन क समीक्षा कैल गेल आ कईटा निर्देश देल गेल। प्रभारी डीएम सह एडीएम दिनेश कुमार सदस्य सब कए अनुपालन क जानकारी देलथि। एहि बैसार मे पथ निर्माण विभाग, ग्रामीण कार्य विभाग, लोक स्वास्थ्य अभियंत्रण विभाग सहित केंद्रीय योजना कए क्रियान्वित करनिहार एजेंसी क कार्यपालक अभियंता मौजूद छलाह।