पटना। चाणक्य राष्ट्रीय विधि विश्वविद्यालय आरटीआइ कए ल कए ‘मूट कोर्ट कंपटीशन’ क आयोजन करत। जुलाई मे प्रस्तावित एहि आयोजन मे देश क तमाम राष्ट्रीय विधि महाविद्यालय आ देश क प्रतिष्ठित विधिक संस्थान क छात्र हिस्सा लेतथि। छात्र आवेदक, वकील आ जज क भूमिका मे रहताह। एहन देश मे पहिल बेर भ रहल अछि। सूचना क अधिकार कानून क अनेक फायदा अछि। एकटा आवेदन स पैघ-पैघ सूचना भेट जाइत अछि। अधिवक्ता लेल इ नव विषय छी। विधि क छात्र एहि नव कानून क प्रावधान कए बुझताह आ तकनीकी रूप स दक्ष हेताह, यैह एहि आयोजन क मूल लक्ष्य अछि। चाणक्य राष्ट्रीय विधि महाविद्यालय क निबंधक एसपी सिंह कहला अछि जे राज्य सूचना आयोग स एहि आयोजन मे मदद लेल अनुरोध कैल गेल अछि। आयोग मदद पर सहमति जता देलक अछि। ओ कहला जे बार काउंसिल आफ इंडिया संविधान आ पारिवारिक मामला आदि स जुड़ल पांचटा विषय पर मूट कोर्ट क आयोजन केने छल, जाहि मे चाणक्य राष्ट्रीय विधि महाविद्यालय क छात्र प्रथम स्थान प्राप्त केने छलाह। पटना मे भ रहल एहि आयोजन क मौका पर दोसर राज्यक सूचना आयुक्त कए सेहो आमंत्रित कैल गेल अछि। ओ निर्णायक क भूमिका मे पूरा कार्यवाही पर नजर रखताह। बेहतर टीम कए पुरस्कृत सेहो कैल जाएत। सूचना मांगबा लेल, सूचना न देबा लेल, प्रथम अपील, द्वितीय अपील स ल कए सूचना आयोग क कोर्ट मे सुनवाई तक क प्रक्रिया छात्र क अलग-अलग टीम संचालित करत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper