भागलपुर । भागलपुर क लोक बहुत दिन स एकटा एहन स्थल ताकि रहल छल जाहि ठाम किछु काल बैसल जा सकए या किछु काल टहलल जा सकए। शहरी कोलाहल स मुक्त एकटा स्थल क सपना शीघ्र पूरा होएत। तिलकामांझी भागलपुर विश्वविद्यालय 1990 मे बनाउल योजना कए जमीन पर उतारबाक फैसला ल लेलक अछि। भैरवा पोखरि कए नव रूप देबाक इ योजना कई साल पुरान अछि। एकरा लेल विश्वविद्यालय लगातार प्रयास केलक, मुदा भैरवा पोखर क एखन धरि सौंदर्यीकरण नहि भ पाउल अछि। आब एहि पोखरि क सौंदर्यीकरण करबा लेल जिला प्रशासन आगू आयल अछि। जिला प्रशासन क प्रस्ताव पर विश्वविद्यालय एनओसी (अनापत्ति प्रमाणपत्र) सेहो द देलक अछि। सबकिछु ठीकठाक रहल त शीघ्र भैरवा पोखरि क सौंदर्यीकरण क काज शुरू भ जाएत।
विवि क एक पदाधिकारीक अनुसार 1990 मे भैरवा पोखरि क सौंदर्यीकरण क लेल विश्वविद्यालय अपन इंजीनियरिंग सेक्शन स एस्टीमेट तैयार करबेने छल। ओहि प्रस्ताव कए यूजीसी (विश्वविद्यालय अनुदान आयोग) कए सेहो पठाउल गेल छल, मुदा स्वीकृति नहि भेटला स ओ आगू नहि बढि सकल। पूर्व कुलपति डॉ रामाश्रय यादव सेहो एकरा लेल प्रयास केलथि। दोबारा तीन करोड़ क प्रस्ताव यूजीसी कए पठाउल गेल मुदा स्वीकृति एहि बेर सेहो नहि भेटल। डॉ यादव क प्रयास स एहि पोखरि कए पशु स मुक्त कराउल गेल। माछ पोसल गेल। हुनकर गेलाक बाद सौंदर्यीकरण क योजना पर फेर कियो ध्यान नहि देलक। जे प्रस्ताव यूजीसी कए पठाउल गेल ओकर हिसाब स भैरवा पोखरि मे तीन दिस स सीढ़ी बनबाक छल। एकटा कोन पर बच्चा क पार्क क निर्माण हेबाक छल आ सांझ खन बैसबाक लेल बेंच बनेबाक योजना छल। रोशनी क पुख्ता व्यवस्था सेहो हेबाक छल। संभावना अछि जे जिला प्रशासन ओहि प्रस्ताव क अनुरूप पोखरिक सौंदर्यीकरण करत आ भागलपुर क लोक लेल एकटा मनोरम जगह उपलब्ध भ सकत।
ओना विश्वविद्यालय क एकटा आर अदाधिकारीक कहब अछि जे अगर पूर्व क प्राक्कलन क अनुसार दोबारा प्राक्कलन तैयार कैल जाएत त एकर विकास मे छह करोड़ लागत आउत। ओना जिला प्रशासन एखन इ खुलासा नहि केलक अछि जे ओ केतबा खर्च एहि योजना पर करत। ओना एखन एहि पोखरिक स्थिति काफी दयनीय अछि। दिन भरि मे एहि ठाम कईटा वाहन क धुलाई होइत अछि। भैंस कए नहेबाक काज होइत अछि। एकर चारूकात गोइठा सुखाउल जाइत अछि। उम्मीद कैल जा सकैत अछि जे शीघ्र इ दृश्य बदलत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper