• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

पूर्णिया स शुरू करबा कए रहब हवाई सेवा : सांसद

August 20, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

नई दिल्‍ली। दरभंगाक सांसद त नहि मुदा पूर्णिया क सांसद जरूर अपन क्षेत्र स हवाई सेवा शुरू करेबा लेल सक्रिय भ गेलाह अछि। पूर्णिया क चूनापुर सैन्य हवाई अड्डा स नागरिक विमानन सेवा शीघ्र करबाक प्रयास मे लागल पूर्णिया क सांसद उदय सिंह उर्फ पप्पू सिंह कहला अछि जे ओ एकरा अपन प्राथमिकता सूची मे स्‍थान देने छथि। एहि संबंध मे ओ एखन धरि केन्द्रीय नागरिक उड्डयन मंत्री अजीत सिंह आ रक्षा मंत्री एके एंटनी स भेंट क चुकला अछि आ आगू सेहो करैत रहताह।
ज्ञात हुए जे दरभंगा आ पूर्णिया स नागरिक हवाई सेवा शुरू करबाक इ’समाद क मुहिम क बाद मुख्‍यमंत्री नीतीश कुमार तक एकर समर्थन करैत कहला अछि जे दूनू ठाम स सेवा अतिशीघ्र शुरू कैल जाए। पूर्णिया क सांसद श्री सिंह सेहो एहि मुहिम कए देखैत पिछला मास चूनापुर सैन्य हवाई अड्डा क विंग कमांडर विश्वजीत कुमार स नागरिक विमानन सेवा स संबंधित वस्तु स्थिति क जानकारी लेने छलाह। सांसद क कहब अछि जे पूर्णिया स विमान सेवा शुरू करबाक लेल सबटा आधारभूत संरचना एहि ठाम मौजूद अछि, केवल तकनीकी स्वीकृति क जरूरत अछि जे केंद्र देबा मे आनाकानि क रहल अछि। ओना ओ कहला जे ओ दूनू केंद्रीय मंत्री स एहि संबंध मे गुहार लगा चुकल छथि आ दूनू मंत्री हुनका आश्‍वस्‍थ केलथि अछि जे विमानन सेवा मे आबि रहल बाधा कए शीघ्र दूर करेबाक प्रयास कैल जाएत। सांसद श्री सिंह कहला जे पूर्णिया मे विमान सेवा शुरू भेला स एहि ठामक लोक कए चिर-प्रतीक्षित मांग पूरा भ जाएत आ एहि स कोसी क्षेत्र मे तेजी स विकास होएत। ओ कहला जे हवाई सेवा शुरू भेला स केवल पूर्णिया क नहि बल्कि किशनगंज तक क चतुर्दिक विकास संभव भ सकत।
सांसद श्री सिंह कहला अछि जे ओ एहि लेल सब स्‍तर पर प्रयास क रहल छथि ओ पूर्णिया स विमान सेवा शुरू करबाक केंद्र स अनुमति भेटलाक बाद क स्थिति लेल सेहो तैयारी शुरू क देलथि अछि। श्री सिंह कहला जे ओ एहि सिलसिला मे कईटा निजी एयरलाइंस कंपनी स सेहो एहि संबंध मे गप केलथि अछि। कंपनी क प्रदाता सब सेहो पूर्णिया स अपन वायु सेवा शुरू करबा क आश्‍वासन देलक अछि। सांसद श्री सिंह कहला जे आब केंद्र लेल एहि सेवा कए रोकब कठिन अछि, हां किछु देरी क सकैत अछि, मुदा आब ओ दिन दूर नहि जखन पूर्णिया स वायु सेवा शुरू करि देल जाएत।
श्री सिंह कहला जे चूनापूर सैन्य हवाई अड्डा पूर्णिया स नागरिक विमान सेवा शुरू करबा लेल एहि लेल आसान अछि किया त एहि ठाम केवल एकटा नागरिक टर्मिनल बनेबाक जरूरत अछि। हवाई जहाज क उड़बा लेल आ लैंड करबा लेल वायु सेना बेस क उपयोग कैल जाएत। ज्ञात हुए जे चूनापुर एयरफोर्स स्टेशन देश क महत्वपूर्ण अजीवंत हवाई अड्डा मे स एक अछि। कुल मिला कए इ कहल जा सकैत अछि जे पूर्णिया क सांसद जाहि प्रकार स एहि मसला पर सक्रियता देखा रहल छथि एखन मे इ संभव अछि जे उत्‍तर बिहार मे स्थित दरभंगा आ पूर्णिया मे स केंद्र सरकार पूर्णिया एयरबेस कए एयरपोर्ट बनेबाक मंजूरी प्रदान करै आ दरभंगा कए नजरअंदाज करबाक कोशिश करै। किया त एक दिस जतए पूर्णिया क सांसद सक्रिय छथि आ एएमयू क शाखा किशनगंज मे खुलबा स पूर्णिया क दावा मजबूत भ गेल अछि, ओतहि दरभंगा क सांसद क उदासीनता आ दरभंगा क दिस कोनो पैघ केंद्रीय संस्‍थान या कारखाना नहि खुलबा स एकर दावा नित्‍य कमजोर भ रहल अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

2015 तक तैयार भ जाएत समस्‍तीपुर मे गैस आधारित बिजली संयंत्र

Esamaad Epaper Website

पटना कए भेटल उत्‍तर भारत क सबस सुंदर शहरक तमगा

Esamaad Epaper Website

बिहार मे 21टा राष्ट्रीय बैंक ब्लैकलिस्ट, सरकार बंद केलक खाता

Comments 1

  1. Prakash Kumar Jha says:
    13 years ago

    Purnea sa havaai seva suru bhene kam sa kam Mithilak ek ta shahar ta hawai maanchitra me abiye jayat. Darbhanga sa seho shuru hue ta aar uttam.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि