पटना। पहिने धान फेर आलू आओर आब प्याज क उत्पादन मे विश्व रिकार्ड बनाकए बिहार क किसान खेती क सुनहरा इतिहास मे एकटा आओर स्वर्णिम अध्याय जोडि देलक अछि। बिहारक नालंदा जिलाक किसान 660 क्विंटल प्रति हेक्टेयर क उत्पादन क नीदरलैंड क 650 क्विंटल क रिकार्ड तोडि देलक अछि। एहि जिला क गेहूं क उत्पादन मे सेहो राष्ट्रीय रिकॉर्ड रहल अछि।
जिलाक सदर प्रखंड क सोहडीह गाम निवासी किसान राकेश कुमार क खेत मे लागल प्याज क फसल कए कृषि वैज्ञानिक क पर्यवेक्षण मे कटाई [क्रॉप कटिंग] भेल। जखन उपज कए तौलल गेल त वजन चौंका देलक। प्रति हेक्टेयर 660 क्विंटल उत्पादन क नतीजा सामने आयल त आहि ठाम उपस्थितलोक खुशी स उछल पडल। वैज्ञानिक क टीम मे उद्यान महाविद्यालय, नूरसराय क प्राचार्य डॉ. पंचम कुमार सिंह, डॉ. अशोक सिंह, डॉ. मणिकांत कुमार, कृषि विज्ञान केंद्र, हरनौत क वैज्ञानिक डॉ. उमेश नारायण उमेश, डॉ. एनके सिंह, डॉ. विनोद कुमार आओर डॉ. आनंद कुमार शामिल छलथि। टीम अपन देखरेख मे 50 वर्ग मीटर एरिया क नाप कराकए फसल क कटिंग करेलक। मौका पर जिला उद्यान अधिकारी देवनाथ महतो सेहो मौजूद छलाह। कृषि वैज्ञानिक क कहब अछि जे जैविक खेती क एतबा उपज हासिल करब बहुत पैघ उपलब्धि अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper