• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

प्रगतिवादी सोचक प्रखर राष्ट्रवादी चिंतक आ शिक्षाविद छलाह मुखर्जी

July 8, 2018
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
डॉ श्यामा प्रसाद मुखर्जीक जन्मदिवसक उपलक्ष मे कॉन्स्टिट्यूशन क्लब मे संगोष्ठिक सफल आयोजन भेल
रामबाबू सिंह
नयी दिल्ली। डॉ श्यामा प्रसाद मुखर्जी केर जन्मदिवसक अवसर पर आई दिल्लीक कॉन्स्टिट्यूशन क्लब मे एकटा संगोष्ठी राखल गेल छल जकर विषय छल ” देशक एकता आ अखण्डताक परिपेक्ष्य मे डॉ मुखर्जीक योगदान”। अहि अवसर पर मन्च संचालक शिवानन्द तिवारी आ संगहि पाँच गोट विशिष्ट वक्ता उपस्थित छलाह। जाहिमे “नीति आयोग”कें सम्मानीय सदस्य विवेक देवरॉय जी, भारतीय जनता पार्टी केर राष्ट्रीय महामंत्री (संगठन)आ दिल्ली प्रदेश प्रभारी रामलाल जी, भारतीय जनता पार्टी राष्ट्रीय उपाध्यक्ष श्याम जाजू जी, विदेश राज्य मंत्री एम.जे.अकबर सँगहि संस्थाक डायरेक्टर अनिर्वाण गांगुली छलाह। संगोष्ठिक शुरुआत हुनक जीवनी सँग भेल। हुनकर जन्म अजुके दिन 6 जुलाई 1901 कलकत्ता मे भेल रहनि आ 23 जुलाई 1953 जम्मू मे रहस्यमय तरीका सँ हुनकर मृत्यु भ’ गेलनि।
ओ प्रगतिवादी सोचक प्रखर राष्ट्रवादी चिंतक आ शिक्षाविद छलाह। राष्ट्र के’ सम्मान लेल अपन प्राण न्योछावर करनिहार डॉ श्यामा प्रसाद मुखर्जी पहिने हिन्दु महासभाकें राष्ट्रीय अध्यक्ष फेर ओ आरएसएस केर दोसर सर संघ चालक गुरु जीक सँग संवादकें बाद एकटा नव संस्थाके स्थापना कएलाह ” भारतीय जनसंघ”। देशक आन प्रांत केर अलावा जम्मू कश्मीर पर हिनकर फोकस बेसी रहनि। जम्मू कश्मीर पर हिनकर नारा रहनि जे एक देशमे “दू विधान दू प्रधान आ दू निसान” नहि हेबाक चाहि आ एहिलेल सभसँ पहिने ओ पुरजोर विरोध कएलाह संगहि धारा 370 के’ खिलाप सेहो ओ आवाज बुलंद करैत रहलाह। जाहिमे सँ आब दू निसान रहि गेल आ धारा 370 जे आसा अछि जल्दिए सरकार किछु निस्सन डेग उठओताह। ओना रामलाल जी अहि मुद्दा पर गम्भीर नहि देखल गेलाह। एकटा प्रसंग केर चर्च करैत ओ कहैत छथि जे हमर साथी मित्र धारा 370 हटएबा लेल संसद मे 370 सांसद के’ बात कहैत अछि  जे सम्भव नहि अछि तेँ समय पर छोड़ि देल जाए , जल्दिए किछु निदान भेटत से आस अछि।
जम्मू कश्मीर जएबाक लेल पहिने परमिट होयत छल आ मुखर्जी साहब विना परमिट चलि गेलाह। जम्मू कश्मीरकें तात्कालिक मुख्यमंत्री शेख अब्दुल्लाह, आ देशक प्रधानमंत्री नेहरू जी छलाह। मुखर्जी साहब के’ कहब छलनि जे अपनहि देशमे परमिट किएक आ अहि कारण सँ हुनका पकरि कS जेलमे राखि देलकन्हि। 23 जून 1953 मे जेल के’ भीतर हुनकर रहस्यमयी तरीका सँ मृत्यु भ’ गेलनि। स्वतन्त्र भारतमे पहिल ओ नेता छलाह जे देशक एकता आ अखण्डताक लेल अपन जान देलक। वैचारिक मतांतर रहितहुँ हुनकर विशिष्ट व्यक्तित्व केर कारण नेहरू जी केंद्रीय उद्योग मंत्री पद देने रहनि जाहिमे बहुत रास नव परिवर्तन अनलाह मुदा नेहरू जी सँग हुनकर मतांतर के’ बाद ओ त्यागपत्र दS देलखिन। आई प्रवुद्ध शिक्षाविद, प्रखर राष्ट्रवादी चिन्तक डॉ श्यामा प्रसाद मुखर्जी केर संगोष्ठिक माध्यम सँ याद कएल गेलनि। ओहन व्यक्तित्वकें समस्त देशवासी के’ तरफ सँ शत शत नमन।
Tags: Shayama Prasad Mukharjee

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

14 कए होएत रथ यात्रा, जुटताह देश विदेश क श्रद्धालू

विहार सब जूनियर बैडमिंटन चैंपियनशिप प्रतियोगिता, पटना क सृजा स पूर्णिया क सृष्टि श्रेष्ठ हारलैथ

छपरा में भेल देश क सबस लंबा डबल डेकर फ्लाई ओवर क शिलान्यास

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि