दरभंगा । पूर्व राष्ट्रपति डा. एपीजे अब्दुल कलाम दैनिक जीवन मे विज्ञान क महत्व कए रेखांकित करैत कहला अछि जे युवा कए विज्ञान क प्रति प्रेरित करबाक जरुरत अछि।
डा कलाम मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क संग संयुक्त रूप स एहि ठाम विशाल विज्ञान मेला क उद्घाटन करलाक बाद एकटा समारोह कए संबोधित क रहल छलाह। बिहार क संग अपन विशेष लगाव पर डा. कलाम कहला जे इ प्रदेश हमर मन क काफी करीब अछि किया त प्रतिभा क मामला मे इ अन्य प्रदेश स काफी अलग अछि। एहि ठाम क बच्चा मे विज्ञान क प्रति खास लगाव अछि आ ओ एहि विषय कए बेसी सीखब, बुझब आ सीखब चाहैत छथि। ओ कहला जे विज्ञान विषय पर बच्चा क मन मे इ डर अछि जे इ कठिन विषय अछि। विज्ञान क प्रति डर कए एकरा रोचक, रचनात्मक आ बेहतर तरीका स बुझा कए निकालल जा सकैत अछि। ओ कहला जे एकरा लेल पूरा देश मे विज्ञान संग्रहालय क संग संग प्रयोगशाला क स्थापना करबाक जरूरत अछि। एहन करबा से प्राथमिक आ माध्यमिक स्तर क शिक्षा मे विज्ञान कए बचचा तक आसानी स पहुंचल जा सकैत अछि।
डा कलाम बिहार मे भ रहल विकास क सराहना करैत कहला जे राज्य क समग्र विकास पर हम कई बेर सुझाव दैत रहलहुं अछि। पूर्व राष्ट्रपति विज्ञान कए रोचक तरीका स बच्चा तक पहुंचेबा लेल अगस्तया इंटरनेशनल फाउण्डेशन, बेंगलुरु आ विकसित भारत फाउण्डेशन विशेष तौर पर तैयार कैल गेल मोबाईल साइंस लेबोरेट्री क चर्चा करैत कहला जे अप्रैल स जुलाई 2010 क दौरान चलाउल गेल एहि पहिल लैब कए देखबा लेल पैघ संख्या मे बचचा आयल छल।
एहि अवसर पर अगस्तया इंटरनेशनल फाउण्डेशन क अध्यक्ष रामजी राघवन कहला जे हुनकर संस्थान 2010 स बिहार मे विज्ञान क विकास आ छात्र कए ओकरा स लगाव बढेबा लेल कृतसंकल्पित अछि। ओ कहला जे एखन तीनटा मोबाईल लैब अछि जेकरा स दरभंगा, मधुबनी आ सुपौल क करीब 2100 गाम क 54 हजार छात्र लाभान्वित भ रहल छथि।
कलाम क सहयोगी आ प्रख्यात रक्षा वैज्ञानिक आ विकसित भारत फाउण्डेशन क अध्यक्ष मानस बिहारी वर्मा कहला अछि जे लोक गाम क विकास मे लागथि। ज्ञान क उपयोग पैसा कमेबा लेल टा नहि हेबाक चाही, बल्कि लोक कए रोजगार दियेबा लेल हेबाक चाही। एहि मौका पर प्रख्यात चिकित्सक डा. गणपति मिश्रा समेत अन्य लोग उपस्थित छलाह।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर