नई दिल्ली । राजनीति आ अर्थशास्त्र क जुगलबंदी हाल मे खूब देखबा लेल भेट रहल अछि। आर्थिक मसला पर दलीय राजनीति एकटा नव स्वरूप लैत जा रहल अछि। पहिने नीतीश चिदंबरम क प्रशंसा केलथि आ आब प्रधानमंत्री नीतीशक प्रशंसा क रहल छथि। आर्थिक बाट स राजनीतिक संकेत क एहि शैली पर राजनीति क विशलेषण सेहो भ रहल अछि। मुदा बिहार एहि स खुश अछि जे प्रधानमंत्री ट्विटर क माध्यम स बिहारक विकास कए रेखांकित क रहल छथि। एतबा त साफ अछि जे देश दुनिया मे बिहार क प्रति स्थापित रुख मे बदलाव आबि रहल अछि।
प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह क कहब अछि जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क कार्यकाल मे बिहार क बहुत तेजी स विकास भेल अछि। पीएम क एहि बयान स केवल बिहार क जनता नहि बल्कि नीतीश क मंत्री सब सेहो बुहत खुश छथि ।
मनमोहन सिंह बिहार सरकारक तारीफ ट्विटर पर केलथि अछि। पीएम ट्विटर पर लिखलथि अछि जे पिछला किछु साल मे बिहार बेहतर विकास केलक अछि। बीमारू राज्य रहल बिहार मे तरक्की क रफ्तार तेज भेल अछि।
ओना पीएम क एहि बयान कए 2014 क लोकसभा चुनाव क संग जोडि कए देखल जा सकैत अछि। जानकार क कहब सेहो अछि जे इ नीतीश कए यूपीए मे शामिल करबाक प्रयास भ सकैत अछि। मुदा बिहार एहि ल कए खुश अछि जे भारत आब ओकरा बीमारू राज्य नहि कहैत अछि। यैह कारण अछि जे प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह क एहि बयान क बाद नीतीश सरकारक मंत्री गदगद छथि। ओना नीतीश कुमार दिस स एखन धरि एहि पर कोनो टिप्पणी नहि आयल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर