• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

प्रशांत अपन प्रमिका संग बरामद

October 15, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

नई दिल्‍ली। मधुबनी क गायब छात्र प्रशांत कुमार झा अपन प्रेमिका प्रीति क संग बरामद भ गेलाह अछि। दिल्‍ली पुलिस प्रेमी युगल कए महरौली स गिरफतार केलक अछि। इ जानकारी बिहार क पुलिस महानिदेशक अभ्‍भयानंद देलथि अछि। दिल्‍ली पुलिस सेहो एकर पुष्टि केलक अछि। दूनू कए शीघ्र बिहार पठाउल जाएत।
जानकारी क अनुसार सोमदिन दुपहरिया मे जखन पूरा बिहार प्रशांत क हत्‍या क विरोध मे बंद छल आ बिहारक प्रमुख विपक्षी नेता हिरासत मे छलाह, तखन दिल्‍ली क महरौली मोहल्‍ला मे प्रशांत एकटा दुकान मे देखल गेलाह। संयोग स ओहि ठाम प्रशांत क गामक एकटा युवक सेहो मौजूद छल। प्रशांत कए देखि ओ चौंक गेल, मुदा हल्‍ला नहि केलक चुपचाप दिल्‍ली पुलिस कए फोन केलक आ प्रशांत क बारे मे जानकारी देलक। प्रशांतक मामला दिल्‍ली पुलिस लेल सेहो अनचान नहि छल। दिल्‍ली पुलिस तत्‍काल महरौली मे छापेमारी केलक आ दूनू कए गिरफतार क बिहार पुलिस कए सूचित केलक। प्रशांतक बरामदगी स बिहार पुलिस मुख्‍यालय इ सूचना आगि जेका फैलल। पुलिस महानिदेशक अभयानंद मोबाइल पर तत्‍काल प्रशांत स गप केलथि आ एकर पुष्टि केलथि जे बरामद युवक प्रशांत अछि आ कियो आओर। प्रीतिक बरामदगी स मामला पहिने साफ भ चुकल छल। एकर बाद अभयानंद इ जानकारी मीडिया के देलथि। दोसर दिस प्रशांत मामला पर आयोजित बिहार बंद एहि सूचना स औचित्‍यहीन भ गेल। पूरा बिहार इ बुझबा लेल टीवी स चिपकल रहल जे आखिर एतबा नाटक किया आ कोना भेल जाहि स एकटा शहर तबाह भ गेल आ तीनटा युवकक जान चल गेल। ज्ञात हुए जे 1ववीं क छात्र प्रशांत अपन प्रेमिका संग भागि गेल छल। एकर बाद एकटा शव बरामद भेल छल, जाहि पर प्रशांतक परिवार दावा केने छल। प्रशासन ओहि शव कए प्रशांत क शव मानबा स इनकार करैत रहल। एहि बीच प्रशांतक परिवार धरना पर बैस गेल। पिछला दू दिन पहिने प्रशांत क शव लेल मधुबनी मे भारी उपद्रव भेल जाहि मे एखन धरि तीन गोटे क मौत भ चुकल। एसपी सहित कईटा पदाधिकारी क स्‍थानांतरण कैल गेल आ अज्ञात शव कए सेहो प्रशांत क शव मानि परिजन कए सौंप देल गेल। एहि बीच विपक्ष एहि पूरा मामला पर आइ बिहार बंद करबाक घोषणा केलक आ ओकर प्रभाव सेहो देखल गेल। एहि बीच प्रशांत क बरामदगी स कईटा सवाल ढार भ गेल। पहिल इ जे ओ अज्ञात शव केकर छल जे प्रशांत क नाम पर जरा देल गेल। दोसर जे तीन गोटा क मौत आ सरकारी संपत्तिक नुकसान लेल के जिम्‍मेदार। सवाल प्रशांतक परिवार पर सेहो उठत जे ओ प्रशांत क शव नहि रहितो किया अज्ञात शव पर एतबा दावा केलक। मधुबनी में भारी हंगामा क पाछु क राज गहरा रहल अछि, मुदा बिहार पुलिस लग एखनो चुनौती कम नहि भेल अछि।
प्रशांत क बरामदगी क बाद इ मांग सेहो जोर पकडि रहल अछि जे दोषी पर कार्रवाई कैल जाए। प्रशांत क दादी आ दीदी, किशोरवय युवा कए भड़केनिहार राजनितिज्ञ, एस.पी. सौरभ कुमार आ डी.पी.ओ. जगतपति चौधरी हिनका सब पर तत्‍काल धारा 302 आ 307 क मुकदमा दर्ज हेबाक चाही। इ एकटा व्‍यक्ति क नहि बल्कि एकटा शहर क मौत क मामला अछि। दरअसल हिनका लोकनिक कार्यशैली स मधुबनी सन शांत शहर धधकी गेल। इ सब एकटा शहर कए मारबाक प्रयास केलथि, शहर कए जिंदा जरेबाक काज भेल। एहि पूरा मामला क अंत तखने संभव अछि जखन एक-एक टा टीवी फुटेज देखि उपद्रवी पर कार्रवाई कैल जाएत। आगू एहन घटना नहि हुए ताहि लेल सेहो इ जरूरी अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

सब रूप मे कल्‍याणी छथि दुर्गा

Esamaad Epaper Website

छह मास मे तैयार भ जाएत स्टेट डाटा सेंटर

Esamaad Epaper Website

बिहारक सबस पैघ फ्लाईओवर क कार्यारंभ

Comments 2

  1. ajit kumar jha says:
    13 years ago

    bahut khusi bhay rhl achhi e smavad padhi ka jay mithila jay mathil.

    Reply
  2. prakash kumar says:
    13 years ago

    bad besi khusi bha rahal aai esamaad paidh ka,,bht nik aai,kumud ji aha ka bahut bahut dhanwyad,,

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि