दरभंगा। पूर्व केंद्रीय मंत्री आ राजद क वरिष्ठ नेता अली असरफ फातमी कहला अछि जे बांध जीवन नहि बल्कि पलायन दैत अछि ताहि लेल बांधक विरोध करबाक चाही। ओ कहला जे बिहार सरकार जिला क नदी सब कए जोडबाक बदला मे नदीक कछैर मे बसल गाम सब कए बांध बना कए उजारबाक प्रयास क रहल अछि। ओ कहला जे सरकार जिला क गौसाघाट स ल कए कुशेश्वरस्थान तक जीवछ आ कमला क कछैर स पांच सौ फीट हटि कए बिना सोचने बुझने जे बांध क निर्माण करबा रहल अछि ओ एहि क्षेत्रक लोक कए पलायन पर मजबूर करत, इ निर्माण सरासर गलत अछि। फातमी कहला जे इतिहास गवाह अछि जे बांध पलायन आ बर्बादीक अलावा हमरा सब कए किछु नहि देलक अछि। नदी पर बांध बनला स आसपासक गाम मे बाढ़ क खतरा बढि जाएत। पूर्व केंद्रीय मंत्री कटवासा गाम मे एकटा जनसभा कए संबोधित करैत कहला जे अगर सरकार कए जनता क दर्दक इलाज करबाक अछि त कम स कम उच्चस्तरीय अभियंता आ अधिकारी क टीम स पहिने इ त पता लगा लेबाक चाहैत छल जे एहि नदी पर बांध बनेबा स नदीक तल मे बालूक जमाव केतबा होएत आ बांध बनला स गामक रक्षा कोना भ सकत। ओ कहला जे उत्तर बिहार मे जाहि नदी पर बांध बनल अछि आहि नदी सबहक तल मे एतबा बालू जमा भ गेल अछि जे नदी गाम क सतह स कई ठाम उपर बहि रहल अछि आ कई ठाम त बांध क उंचाई बढाउल जा रहल अछि। पूर्व मंत्री कहला जे बिना शोध आ सर्वेक्षण केने नदी पर बांध बनेबाक गलती जनता पर भारी पडत। ओ कहला जे सरकार अगर एहिना बिना सोचने बांध निर्माण करबत त राष्ट्रीय जनता दल एकर खिलाफ उग्र आंदोलन करत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna
ई बात ठीक बजलाह फातिमी – बाँध विनाशक कारन- गाधी हतौ – जुर शीतल में कादो खेलाऊ- पोखरी नदीक पेट साफ़ करू -बाधी आयत मुदा लाभकारी