दरभंगा : आशंका क अनुरूप डीएमसीएच एक बेर फेर टापू मे तब्दील भ चुकल अछि। सवाल उठैत अछि एकरा लेल जवाबदेह के अछि? नगर निगम, जिला प्रशासन या फेर सुतल, मरल, ज्ञानी दरभंगाक जनता। चूंकि इसमाद एक साल पूर्वहि इ आशंका जता चुकल छल जे डीएमसीएच बहत। डीएमसीएच मे जलनिकासी लेल 70 साल पूर्व भूमिगत नाला बनाउल गेल छल। कालांकतर मे सफाई नहि भेला स ओ जाम भ गेल। अस्पतालक नक्शा उपलब्ध नहि रहला स नालाक संरचना ताकल नहि जा सकल। सच पूछु त ताकल नहि गेल। सबस हास्यास्पद काज त इ भेल जे भूमिगत नाला कए बिना तकने डीएमसीएच परिसर मे एकटा पोखरि खोदल गेल आ ओहि मे नाला जल संरक्षण शुरू कैल गेल। जे कियो इ सुनलक एक मत स कहलक जे जाहि शहर मे एहन अभियंता छथि, निश्चित रूप स ओकर स्थिति खराब भ चुकल अछि। दोसर दिस शहर मे नवनिर्मित नाला बीच बाट स गायब भ गेल अछि। काज पूरा नहि भेला स इ पता नहि चलैत अछि जे नाला कतए स शुरू भेल आ कतए खत्म होएत। एहन मे नाला स जलक निकासी संभव नहि भ पाबि रहल अछि। दरभंगा क भूमिगत नाला क खोज आ सफाई नहि भेला स वैशाख क तेज रौद क समय मे जखन दरभंगा टावर पर पानी लागल रहैत अछि त एहि मासक गप के करत। सब साल नगर निगम प्रशासन नाला निर्माण क गप करैत अछि, मुदा निर्माणक गप त दूर नाला क सफाई क नाम पर बस खानापूर्ति होइत अछि। जे नाला 20 साल पहिने पांच स सात फुट गहीर छल, ओ आइ एक फुट गहीर नाली बनि गेल अछि। नाला क चौडाई त दूर गहराई तक बढेबा लेल निगम प्रयासरत नहि अछि। दरभंगा क सांसद कीर्ति आजाद सेहो ताम-झाम स टावर पर एलान केलथि जे 15 दिन क अंदर समस्या क निदान नहि भेल, त आंदोलन करब, मुदा हुनकर घोषणा इ शहर क लोग स नुकायल नहि अछि। हां विधायक संजय सरावगी जरूर किछु गंभीर प्रयास केलथि, मुदा नाला क सफाई क गप ओ सेहो पूरा नहि क सकलाह, जखन कि इसमाद हुनका स एहि संबंध में नवंबर मास मे गप केने छल। दरभंगा क मास्टर प्लान भेटलाक बावजूद निगम ओकर अवलोकन क कोनो प्रयास नहि केलक अछि। संगहि दरभंगाक सडक आ नाला पर गंभीर शोध केनिहार अभियंता जेएन झा क सेहो निगम विचार सुनबा लेल तैयार नहि अछि। अलवत्ता प्रशासन आ आम लोक एखनो मुख्यमंत्री क निर्देश क मूर्तरूप देखबाक बाट ताकि रहल अछि जाहि मे ओ शहर क डीपीआर बनाकए स्थाई जल निकासी क घोषणा केने छथि।
दरभंगा क संग दुर्भाग्य अछि जे एहि ठामक सांसद स्थानीय नहि छथि आ एहि शहर मे स्थानीय चिंता केनिहार सांसद क सबदिन अभाव रहल। दरभंगा ओ किछु शहर मे स अछि जाहि ठाम सांसद आ विधायक दूनू भाजपा स छथि आ पिछला सात साल स जे विभाग एहि समस्या कए निराकरण क सकैत अछि ओ भाजपा कोटाक मंत्री लग छल, एहन मे गठबंधन टूटलाक बाद भाजपा एहि मामला लेल जदयू क राज्य सरकार कए जबावदेह नहि ठहरा सकैत अछि। स्वास्थ्य, लोक स्वास्थ्य अभियंत्रण आ नगर विकास विभाग स जुडल इ मामला कए निपटारा भाजपा क सांसद आ विधायक लेल काफी आसान छल। एतबे नहि दरभंगा नगर निगम जेकर मुख्य जवाबदेही आम शहरी कए मूलभूत सुविधा उपलब्ध करेबाक अछि, ओहि नगर निगम क मेयर क पद सेहो भाजपा क कोटा मे अछि। जिला परिषद् अध्यक्ष सेहो भाजपा क छथि। एहन मे कम स कम दरभंगा क दुख लेल नीतीश कुमार कए जवाबदेह नहि ठहराउल जा सकैत अछि। अगर भाजपा क सांसद कीर्ति आजाद एक दिन लेल करोलबाग कए बिसरी दरभंगाक हित लेल सोचने रहितथि त निगम प्रशासन स नाला क सफाई करा सकैत छलाह। विधायक सेहो अपन स्तर स पहल केलथि एकर परिणाम सामने नहि आयल। आशंका क अनुरूप दरभंगा एक बेर फेर बहि रहल अछि। ओना कांग्रेस राज हुए बा गैर कांग्रेस राज दरभंगाक नगर निगम सब साल नाला क सफाई क नाम पर सरकारी खजाना स मोट रकम क निकासी करैत अछि। जेतबा मोट रकम होइत जा रहल अछि ओतबे मोट थाल नाली मे जमैत जा रहल अछि। इ आरोप कोनो दल विशेषक नहि अछि बल्कि निगम क पार्षद सबहक अछि आ ओ सब बराबर इ सवाल उठबैत रहैत छथि। दरअसल, दरभंगा नगर निगम देशक आम लोकतांत्रिक संस्था जेकां व्यवहार करैत अछि। वर्त्तमान मेयर पर आरोप लागल, त ओ अपन आरोप क उत्तर देबाक बदला मे पूर्व मेयर पर जबाबी आरोप लगा देलथि जे हैंड बैरो घोटाला मे कार्रवाई नहि भेल। ठीक ओहिना जेना दिल्ली मे कांग्रेस आ भाजपा एक दोसर पर घोटाला क आरोप लगबैत रहैत अछि आ देश चलि रहल अछि।
वर्त्तमान मेयर गौड़ी पासवान क आरोप अगर सच अछि तखनो हुनका इ उत्तर देबाक चाही जे नाला क सफाई आ ओकरा पूर्ववत गहीर करबा मे कोन दिक्कत आयल। किया त नालाक चौडाई बढेबा मे बहुत ठाम अतिक्रमणक समस्या आबि जाइत अछि, मुदा गहीर करबा लेल त इ समस्या सेहो नहि अछि। इ सवाल जरूर अछि जे समस्या आ ओकर निदान दूनू बुझलाक बावजूद निगम एकर निराकरण करबा स किया कतरा रहल अछि। जेकर परिणाम अछि जे एकटा व्यवस्थिति शहर क आम शहरी क घर मे गंदगीयुक्त जल फैल गेल अछि आ लोक परेशान अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa