• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

इ ऋण आखिर कहिया तक

August 22, 2013
in संपादकीय, समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

sanjज्योति श्रीवास्तव
बुद्ध क मूर्ति दरभंगा स पटना ल जेबाक निर्णय एक बेर फेर मिथिलाक लोक कए पुरान इतिहास स्मरण करा देलक अछि। इतिहास गवाह अछि जे दरभंगा पटना कए बहुत वस्तु देलक, मुदा पटना दरभंगाक सबटा उपकार बिसरैत रहल। दरभंगाक सबटा निशान मिटबैत रहल। एहन मे एक बेर फेर इ डर भ रहल अछि जे मिथिला क धरोहर कहीं पटना जा कए अनचिन्हार क देल जाएत। जेना पूर्व मे होइत रहल अछि। एहन मे दरभंगाक लोकक इ कहब उचित अछि जे आगू दान देबा स पूर्व इ विचार स्वभाविक अछि जे कहीं दरभंगाक एहि पहचान कए स्टेशनक टपटप पड़ाव जेका लुप्त त नहि क देल जाएत। कहीं छज्जूबाग क बंगला जेना दरभंगा गुमनाम त नहि भ जाएत। कहीं हार्डिंग पार्क जेना एहि मूर्ति पर सेहो कोनो अन्य मालिक दावा त नहि पेश क देल जाएत। दरभंगा क जनप्रतिनिधिक रूप मे संजय सरावगीक चिंता दरभंगाक चिंता अछि आ दरभंगाक लोकतांत्रिक इतिहास मे इ पहिल बेर अछि जखन जनप्रतिनिधि एहन मसला पर जनता क प्रतिनिधि भ ढार छथि।
इ ककरो स नुकायल नहि अछि जे चंद्रधारी संग्रहालय बिहारक दोसर सबस पैघ संग्रहालय अछि। एहि ठाम मिथिला स जुडल कईटा एहन धरोहर अछि जेकरा देखबा लेल देश-विदेश स लोक अबैत अछि। सरकार पटना मे दोसर संग्रहालय बना रहल अछि, मुदा दरभंगा मे स्थिति इ अछि जे पहिने स दूटा संग्रहालय रहैत एकर उपेक्षा चरम पर अछि। बहुमूल्य धरोहर कोठली मे कई साल स सील अछि आ आम लोक अपन धरोहर कए संग्रहालय मे देखबा स वंचित अछि। इ मामला जखन प्रकाश मे आनल गेल, त बिहार सरकार आब नव परिस्थिति पैदा क देलक अछि। सरकार सांस्कृतिक लेन-देनक नाम पर एहि संग्रहालयक बहुमूल्य धरोहर कए पटना स्थित बुद्ध स्मूति पार्क मे स्थानांतरित करबाक फैसला लेलक अछि। एक दिस जतए दरभंगा क लोग एहि संग्रहालय क स्थिति ठीक करबाक आ धरोहर कए ठीक स प्रदर्शित करबाक मांग क रहल छल, ओतहि सरकार उल्टा धरोहर कए दरभंगा स हटेबाक निर्णय ल लेलक अछि। सरकारक इ डेग एहन बुझा रहल अछि जेना नहि रहत बांस आ नहि बजत बांसुरी। संयोग कहल जाए जे बिहार सरकार मे एहि विभागक सचिव चंचल कुमार सेहो मिथिलाक झंझारपुर क रहनिहार छथि जे मधुबनी जिला मे पडैत अछि। हुनक द्वारा लिखल गेल पत्र मे कहल गेल अछि जे 24 अवलोकितेश्वर, 19 बुद्ध क बैसल प्रतिमा, 10 बुद्ध क प्रतिमा आ तारा क 15 प्रतिमा जे कांस क बनल अछि ओकरा ऋण स्वरूप पटना पठाउल जाए।
एहन मे राज्य सरकार क निर्देश पर बुद्ध क चारिटा प्रतिमा दरभंगा क चंद्रधारी संग्रहालय स पटना पठाउल जेबाक अछि। एहि प्रतिमा सब मे पीतल स बनल बुद्ध क ओ मूर्ति सेहो अछि जे 18 वीं सदी मे राजनगर आनल गेल छल। जाहि ठाम स इ मूर्ति संग्रहालय कए दान देल गेल।
इ समाचार आगिक जेना दरभंगा मे पसरल आ धरोहरक संरक्षण लेल सतत सक्रिय रहनिहार स्थानीय विधायक संजय सरावगी सबस पहिने एहि पर आपत्ति केलथि। ओ सवाल केलथि जे इ प्रतिमा दरभंगा स किया, कतए आ केतबा दिन लेल पठाउल जा रहल अछि। दरअसल सरकार इ साफ नहि केलक अछि जे इ मूर्ति केतबा दिन लेल दरभंगा स पटना जा रहल अछि। एहन इ सेहो साफ नहि अछि जे इ मूर्ति फेर दरभंगा घुरत बा नहि। विधायक सरावगीक एहि प्रश्न क कोनो जवाब क्यूरेटर शम्श अबरार नहि द सकताह। एहन मे दरभंगाक जनता सेहो विधायक क संग गुरुदिन संग्रहालय मे धरना देबा लेल पहुंचल। राजनीतिक पार्टी एहि मुद्दा कए मिथिला आ दरभंगा क प्रतिष्ठा स जोड़िकए आंदोलन ठार क रहल अछि, मुदा सवाल अछि जे सरकार सांस्कृतिक लेन-देन मे दोहरा मापदंड किया अपना रहल अछि। क्यूरेटर आ कला संस्कृति विभाग क अधिकारी क कहब अछि जे सांस्कृतिक आदान-प्रदान क तहत एकटा संग्रहालय क वस्तु दोसर संग्रहालय कए जाइत रहल अछि, मुदा कियो इ नहि बता सकलाह जे पटना संग्रहालय स कहिया कोन वस्तु दरभंगा स्थिति दूनू में से एकोटा संग्रहालय मे आनल गेल। सवाल इ अछि जे आदान-प्रदान सन शब्द मे दरभंगा लेल केवल प्रदान किया अबैत अछि। इतिहास गवाह अछि जे दरभंगा हरदम पटना कए किछु नहि किछु दैत रहल आ पटना दरभंगा क उपकार कए बिसरैत रहल। विधायक सरावगी क भूमिका ऐतिहासिक कहल जा सकैत अछि। एहि मामला मे दरभंगा मे सर्वदलीय विरोध हेबाक चाही। लोक कए दलीय भावना स ऊपर भ दरभंगा आ मिथिलाक इतिहास कए बचेबा लेल पहल करबाक चाही। इतिहास मे रूचि रखनिहार लोक कए स्मरण करा दी जे पटना संग्रहालय मे राखल बुद्ध क अस्थि कलश कए सेहो मिथिला क्षेत्र वैशाली पठेबाक लेल सरकार तैयार नहि अछि। फेर कोन मुंह स तिरहुत क एहि धरोहर कए पटना पठाउल जाए। राजधानी कए तिरहुत स ओकर धरोहर चाही, मुदा ओ तिरहुत कए ओकर धरोहर नहि घुराउत। इ दोहरा मानदंड के मंजूर करत। सरकारक एहि डेग कए विरोध करैत नगर विधायक संजय सरावगी कहैत छथि जे राज्य सरकार क इ निर्णय घोर आपत्तिजनक आ मिथिला क संग अन्याय अछि। एक दिस मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहैत छथि जे मिथिला क विकास क बिना बिहारक विकास संभव नहि आ दोसर दिस मिथिला क धरोहर कए सेहो दरभंगा स पटना मंगा रहल छथि। सरकार एहि निर्णय क विरोध मे जिला भाजपा गुरुदिन संग्रहालय क तालाबंदी केलक आ धरना देलक। एहि दौरान दरभंगा क लोक जमिकए सरकारक निर्णय क विरोध किया. विधायक संजय सरावगी, महापौर गौड़ी पासवान, डॉ. महानगर राजद अध्यक्ष विकास कुमार प्रफुल, भाजपा जिलाध्यक्ष जगदीश साह, निगम पार्षद प्रदीप कुमार गुप्ता, पूर्व मेयर अजय पासवान सहित कई गोटे सरकारक एहि निर्णयक आलोचना करैत एकर विरोध केलथि। मिथिला के होएत जे एकर विरोध नहि करत, मुदा खुशी क गप इ जे दरभंगाक लोक चाहे जे कारण हुए मिथिला क चिंता केलक, इ मिथिला लेल शुभ संकेत कहल जा सकैत अछि। स्थानीय विधायक संजय सरावगी क नेतृत्व मे एकत्र भेल मिथिला बिहार सरकार स बस एतबा पूछि रहल अछि जे केतबा लेब अहां हमरा स इ ऋण आखिर कहिया तक।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

इ ऋण आखिर कहिया तक

Esamaad Epaper Website

बिहार मे निवेश लेल इच्छुक फ्रांसीसी कंपनी

प्रेम, श्रृंगार आ विप्रलम्भ रस क समावेश अछि - मणिमंजरी

Comments 1

  1. dr dhanakar thakur says:
    12 years ago

    सरकारक केन्द्रीकरण वा पटनाकरणक एक और नमूना अछि जाकर विरोध ठीक अछि ओना ई सब ताबत चालित रहत जाबत मिथिलाके बिहारक भाग बुझक बुद्धिमानी हमर लोक करैत रहताह!

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि