पूर्णिया। गुलाबबाग, इ नाम सुनैत देरी रेणु क हीरामन मोन पडि जाइत अछि। तीसरी कसम क नायक आइ सही मे हेरा गेल अछि। मुदा बिहार क सबस पैघ गल्ला मंडी गुलाबबाग आब उपेक्षित नहि रहत। एहि मंडी कए फेर स जीवंत करबा लेल प्रयास शुरू भ चुकल अछि। अखिल भारतीय मारवाड़ी युवा मंच गुलाबबाग क अध्यक्ष नीरज खेमका गुलाबबाग क समस्या स पूर्णिया सांसद उदय सिंह उर्फ पप्पू सिंह सहित महामहिम राज्यपाल, मुख्यमंत्री, उप मुख्यमंत्री, शहरी विकास मंत्री, अनुमंडल पदाधिकारी सदर पूर्णिया सह नोडल पदाधिकारी कए अवगत करा आवेदन देलथि अछि। एसडीओ कहला अछि जे एकर स्थायी समाधान होएत। एसडीओ सदर प्रणव कुमार कहला अछि जे मेला ग्राउंड क जमीन पर चिल्ड्रेन पार्क आ चाहरदिवारी क निर्माण क खाका तैयार कए अनुशंसा लेल पठाउल जाएत। मारकेटिंग यार्ड मे सड़क निर्माण, बिजली व्यवस्था, जल निकासी, नाला निर्माण आदि क डीपीआर तैयार क बाजार समिति कए पठाउल जा रहल अछि। जाम क समस्या क मद्देनजर बायपास क विकल्प तैयार क लेल गेल अछि। एकरा बनि गेलाह स मंडी मे जाम क समस्या पचास प्रतिशत कम भ जाएत, मुख्य कार्यालय पटना क आदेश क इंतजार कैल जा रहल अछि। शहरी क्षेत्र क स्कूल आ मुख्य चौराहा पर जेब्रा क्रासिंग आ गति अवरोधक क दिशा मे सेहो जल्द काज शुरू कैल जाएत। गुलाबबाग शहर क बीचो बीच अवस्थित धर्मकांटा संचालक कए 90 दिन क भीतर दोसर स्थान पर जेबा लेल कहि देल गेल अछि। कांटा स्थल पर जाम नहि लागे ताहि लेल एकर जवाबदेही संचालक कए द देल गेल अछि। एसडीओ क सकारात्मक पहल पर श्री खेमका हुनका आम लोक दिस स धन्यवाद देलथि अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper