• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

फेर स छपत प्रतिष्ठित जर्नल्‍स ‘मिथिला भारती’

January 9, 2014
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना : मैथिली दिवस पर 8 जनवरी, 2014 क’ पटना मे भेल गोष्‍ठी मे बहुत रास चर्चा भेल। एहि मे निर्णय भेल जे ‘मिथिला भारती’ नामक जर्नल्‍स जे पहिने मैथिली साहित्‍य संस्‍थान द्वारा प्रकाशित होईत छल आ खूब प्रशंसित छल, तेकर पुन: प्रकाशन कएल जाए। एहि मे मिथिला आ मैथिली विषय पर मैथिली आ अंग्रेजी मे आलेख छापल जाईत छल। गोष्‍ठी मे मैथिली मे मानक विषय पर सेहो चर्चा भेल आ विद्वानक मत छलनि जे मानक ल’क’ मैथिलीक प्रसार रुकि सकैत अछि। मैथिली जीवन्‍त भाषा अछि आ व्‍याकरण एवं मानक ल’क’ एकर विकास रोकल नहि जेबाक चाही। छत्रानन्‍द सिंह झा उर्फ बटुक भाईक कहब छलनि जे एहन कोनो संस्‍थान होए जे भाषाक संबंध मे गहन विचार-विमर्श करए। श्‍यामानन्‍द चौधरीक मत छलनि जे मैथिली कए रोजगारक भाषा बनाओल जाए आ आधुनिक उपकरण सँ सेहो जोड़ल जाए। शरदिन्‍दु चौधरी क अनुसार मैथिली मे पूर्णकालिक समर्पणक अभाव अछि। कम सँ कम दस गोटे केँ पूर्णकालिक रूप सँ जुड़बाक चाही। विवेकानन्‍द ठाकुरक कहब छलनि जे संविधानक अष्‍टम अनुसूची मे मैथिली भले जुडि़ गेल हो, एहि पर कोनो खास काज नहि भेल अछि। कुणालक मतें विद्यापतिक 1800 गीत मे सँ मात्र 10 टा गीत उपलब्‍ध कराओल गेल अछि। डॉ0 योगानन्‍द झाक मते मैथिली के सब किछु उपलब्‍ध अछि जे एकटा भाषाक विकासक लेल आवश्‍यक अछि। रामनारायण सिंहक अनुसार अनुवाद भाषा विकासक कड़ी अछि। डॉ वीणा कर्णक अनुसार मैथिली भाषी होयबा मे सम्‍मानक अनुभव क’ रहल छी। नरेन्‍द्र झाक अनुसार जानकी नवमीक अवसर पर मैथिली दिवसक आयोजन होइत छल, ई नव आयोजन भेल अतएव एकर नाम किछु बदलि देबाक चाही। डॉ रमानन्‍द झा रमणक अनुसार भाषा रहत त’ साहित्‍य रहत। मैथिली भाषाक लेल भाषा योजना आ वैज्ञानिक प्रबंधन नीति तैयार करबाक आवश्‍यकता अछि। डा बासुकीनाथ झाक अनुसार मैथिली कए आर लोकोन्‍मुखी बनेबाक आवश्‍यकता अछि। प्रेमलता मिश्रक अनुसार संविधान मे स्‍थान भेटलाक बाद मैथिली कए की लाभ भेलैक, लोक नहि जनैत छैक। किछु काज हेबाक चाही। प्रसिद्ध समाजशास्‍त्री आ विद्वान डॉ हेतुकर झा रोचक प्रसंगक उल्‍लेख कयलनि। मिथिला मे दुसाध जातिक लोकगीत मे सीताक प्रसंगक अध्‍ययन मे स्‍पष्‍ट अछि जे मां जानकीक वनवास ल’क’ लोकगीतमे रामक प्रति बहुत आक्रोशक प्रदर्शन भेल अछि। एतबहि नहि, दुसाध जातिक कुलदेवी सेहो सीता छथिन्‍ह। डॉ झाक मत छलनि जे प्राय: मिथिला मे दुसाध छोडि. आन कोनो जातिक कुलदेवी सीता नहि छथिन। मुदा एहि सब प्रसंग मे आर शोधक आवश्‍यकता अछि। डॉ रत्‍नेश्‍वर मिश्रक आग्रह छलनि जे जनगणना मे मातृभाषाक रूपमे मैथिली लिखेबाक चाही। रामचन्‍द्र खान कहलनि जे अंग्रेज अपन उपनिवेश 70 ठाम बनौने छल आ सब ठाम भाषाक स्थिति कमोवेश एके रंग अछि। एहि संबंध मे मैथिलीक स्थिति आन सब भाषा सँ नीक अछि। सुकान्‍त नागार्जुनक मत छलनि जे जाबत धरि मैथिली केँ राजनीतिक एजेंडाक रूपमे स्‍थापित नहि कएल जायत, किछु नहि भ’ सकैत अछि। कार्यक्रम क संयोजक भैरव लाल दास सब गोटे कए धन्‍यवाद ज्ञापन केलथि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

टाउन प्लानर बिना कोना सुधरत शहरक संरचना

Esamaad Epaper Website

दुस्साहस क एक डेग आओर

Esamaad Epaper Website

शुरू भेल ऐतिहासिक बलिराजगढ़ क खुदाई

Comments 3

  1. विनोद says:
    11 years ago

    नीक गप्प , मुदा मैथिली में साहित्यक निर्माण अत्यावश्यक |

    Reply
  2. डॉ॰ शशिधर कुमर says:
    11 years ago

    नीक गप्प

    Reply
  3. sanjay says:
    11 years ago

    good news…………..

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि