पटना। मढ़ौरा आ मधेपुरा क रेल परियोजना बंद नहि भ रहल अछि। रेलवे बोर्ड क अध्यक्ष विवेक सहाय कए इ कहबा लेल मजबूर हुए पडल, कारण छल बिहार मे गरम होइत राजनीतिक माहौल। इ समाद जखने विभिन्न माध्यम स लोक त पहुंचल, लोक एकजुट हुए लागल। बिहारक किछु नेता एकरा लेल लालू कए सामने एबाक अपील केलथि। लालू सेहो एहि मामला कए गंभीरता स लैत तत्काल ममता दीदी स गप केलथि आ एहि प्रकारक कोनो डेग नहि उठेबाक चेतावनी देलथि। बिहारक बदलैत तेवर कए देखि जतए ममता बनर्जी अपन स्तर पर एहि सूचना कए गलत करार देलथि, ओतहि रेलवे बोर्डक अध्यक्ष कए सेहो एहि मामला पर बजबा लेल कहलथि। एकर बाद रेलवे बोर्ड क अध्यक्ष कहला जे रेलवे क एहि दूनू परियोजना कए पीपीपी मोड क जरिये पूरा कैल जाएत। एकरा लेल कार्यपालक निदेशक क छह सदस्यीय कमेटी क गठन कैल गेल अछि, जे एहि परियोजना कए समय पर पूरा करेबा लेल मानिटिरिंग करत। ओतहि राजद अध्यक्ष आ पूर्व रेल मंत्री लालू प्रसाद पटना मे समदिया सब स कहला जे रेल मंत्री ममता बनर्जी आ रेलवे बोर्ड क अध्यक्ष विवेक सहाय स एहि मुद्दा पर हुनकर गप भेल अछि। दूनू गोटे हुनका स कहलथि जे अछि परियोजना बंद नहि कैल जा रहल अछि। लालू प्रसाद कहलथि जे मढ़ौरा आ मधेपुरा प्रोजेक्ट बंद हेबाक सूचना हुनकर चिंता बढ़ा देने छल। लोग आंदोलन पर उतारू भ रहल छल। एहन मे रेल मंत्री ममता बनर्जी स गप कैनाइ जरूरी भ गेल छल। ममता बनर्जी हुनका स कहलथि जे बिहारक कोनो परियोजना बंद नहि भ रहल अछि, इ विरोधी सबहक साजिश छी।