• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बड़बोला नेता कए जदयू देखेलक बाहरक रस्ता

March 24, 2016
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

विवादास्पद बयान क बाद विधायक गोपाल मंडल आओर विधान पार्षद राणा गंगेश्वर पार्टी स निलंबित

पटना । विवादास्पद बयान देनिहार नेता पर कार्रवाई करैत जदयू अपन एकटा विधायक आओर एकटा विधान पार्षद कए आय पार्टी स निलंबित कए देने अछि । निलंबित नीरज कुमार मंडल उर्फ गोपाल मंडल भागलपुर क गोपालपुर सीट स जदयू विधायक छथि‍, जखनकि दोसर नेता राणा गंगेश्वर जदयू क विधान पार्षद छथि‍ । पार्टी क प्रदेश अध्यक्ष वशिष्ठ नारायण सिंह दुनू कार्रवाई क पुष्टि करैत कहलाह जे जदयू हुनका पार्टी स निलंबित कए देने अछि । पार्टी एहि प्रकार क बयानबाजी बर्दाश्त नहि‍ करत । उल्लेखनीय अछि जे सोमवार कए गोपालपुर मे आयोजित एकटा कार्यक्रम मे गोपाल मंडल खुला मंच स बयान दकए अपन राजनीतिक विरोधी कए धमकेने छलाह ‍। हुनकर एहि बयान पर कार्रवाई करैत जदयू हुनका पार्टी स निलंबित कए देने अछि । जानकारी क अनुसार नवगछिया क बाल भारती विद्यालय मे आयोजित कवि सम्मेलन मे मुख्य अतिथि विधायक गोपाल मंडल खुला मंच स कहने छलाह जे आब ओ हत्या की राजनीति करत । ओ कहलथि‍  जे बिहार मे शराबबंदी लागू नहि‍ भए सकत । बिना शराब क होली मे मोन केना डोलत । मौका पर मौजूद भागलपुर सांसद शैलेश कुमार उर्फ बुलो मंडल पर सेहो ओ कटाक्षपूर्ण टिप्पणी केलथि‍ । विधायक गोपाल मंडलक एहि तरहक बयान एबा स विरोधी दल एक बेर फेर स नीतीश सरकार पर हमला बाजि देलक । हालांकि बाद मे मंगलवार कए मीडिया स बातचीत मे ओ एहि मामला पर सफाई देलक आओर कहलथि‍, हम जानबूझकर ऐना नहि‍ केने छी, ई हमर स्टाइल अछि । हम भाषण देबाक दौरान कनेकटा उत्तेजित भए जाएत छी ।

उल्लेखनीय अछि जे पिछला 28 फरवरी कए सेहो विधायक गोपाल मंडल कहने छलाह जे हमर एकटा पाइर जैल मे रहैत अछि, दोसर बाहर । जखन जेल गेलहूँ तखने नेता बनलहूँ । दोसरा दिस बिहार दिवसक मौका पर मंगलवार कए एकटा कार्यक्रम क दौरान समस्तीपुर मे जदयू क विधान पार्षद राणा गंगेश्वर सेहो एकटा विवादास्पद बयान देने छलाह । ‍समस्तीपुर क पटेल मैदान मे राणा गंगेश्वर अपन संबोधन क दौरान कहलथि‍ कि राष्ट्रगान गुलामी क प्रतिक अछि । ओ कहलथि‍ जे ई गाना हमरा सबहक शोषण केनिहारक गुणगान करैत अछि  । राणा गंगेश्वर क एहि विवादित बयान क बाद कार्यक्रम मे मौजूद लोगसभ जमकए हंगामा शुरू कए देलक । बाद मे कार्यक्रम मे मौजूद मंत्री महेश्वर हजारी कए माफी मांगय पड़लाह । ओ कहलथि‍ जे ई गप गलती से राणा गंगेश्वर क मुंह स निकैल गेल छल । जेकरा गंभीरता स लेबाक जरूरत नहि‍ अछि । ओतय मंत्री आलोक कुमार महेता आओर डीएम सेहो मौजूद छलाह ।

Tags: Gopal MandalRana Gangeshwar

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

ई जे एकटा मिथि‍लानी छलीह - ठेरिका

ई जे एकटा मिथि‍लानी छलीह - धीरमति

ई जे एकटा मिथि‍लानी छलीह - पद्मश्री सीतादेवी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि