• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बदलत 28टा शहर क रूप-रंग

April 14, 2010
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। नगर निगम वाला 11टा शहर सहित प्रदेश क 28टा शहर मे ढांचागत सुधार आ विकासोन्मुखी कार्यक्रम पर डिपार्टमेंट फार इंटरनेशनल डेवलपमेंट 425 करोड़ टका खर्च करत। ब्रिटेन क डीएफआईडी क पहल क तहत 28 शहरी निकाय मे ढांचागत सुधार, विकासोन्मुखी कार्यक्रम, गरीबी उन्मूलन, क्षमता विकास, होल्डिंग टैक्स क कम्प्यूटराइजेशन, दोहरा लेखा प्रणाली, जीआईएस मैपिंग आदि काज होएत। एहि पर निगरानी क लेल विकास आयुक्त क अध्यक्षता मे मानीटरिंग कमेटी रहत। जाहि मे वित्त, नगर विकास आ योजना विभाग क प्रधान सचिव रहताह। पटना, खगौल, दानापुर, फुलवारी, बिहारशरीफ, बेगूसराय, छपरा, सिवान, आरा, हाजीपुर, मुजफ्फरपुर, सीतामढ़ी, बेतिया, दरभंगा, गया, बोधगया, डेहरी, नवादा, भागलपुर, मुंगेर, जमालपुर, पूर्णिया, किशनगंज, कटिहार, सहरसा आदि शहर एहि स लाभान्वित होएत। प्रथम चरण मे एहि शहर क चयन कैल गेल अछि। योजना छह साल क लेल अछि।
राज्य मंत्रिपरिषद क बैठक मे योजना क क्रियान्वयन क प्रस्ताव कए मंजूरी द देल गेल। बैठक मे ओवर लोडेड ट्रक क अवैध परिचालन कए रोकबा लेल एकटा आईएएस आ एकटा आईपीएस अधिकारी क नेतृत्व मे परिवहन विभाग क अधीन उडऩदस्ता क गठन क प्रस्ताव कए सेहो हरी झंडी द देल गेल। पटना उच्च न्यायालय क अनुशंसा क आलोक मे 12टा अधिवक्ता कए अपर जिला एवं सत्र न्यायाधीश मे नियुक्त करबाक आ पीएचडी क उपाधि प्राप्त करनिहार कॉलेज शिक्षक कए दूटा अग्रिम वेतन वृद्धि देबाक सेहो निर्णय कैल गेल अछि।
एकर संगहि बैठक मे नाबार्ड ऋ ण परियोजना क तहत सुपौल पथ प्रमंडल क अधीन निर्मली स मधेपुर पथ वाया मरौना बलुआही क लेल 30.40 किलोमीटर लंबाई मे उन्नयन क लेल 40.74 करोड़ क योजना कए प्रशासनिक स्वीकृति प्रदान कैल गेल अछि।

Tags: bihar government

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

खूब भेल धुरखेल, जमि कए मनल जुड़-शीतल

खूब भेल धुरखेल, जमि कए मनल जुड़-शीतल

आब विकास मित्र कए सेहो साइकिल

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि