• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

कामेश्‍वरनगर क घुरत दिन, सौंदर्यीकरणक शिलान्‍यास आब तीन कए

December 1, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

दरभंगा। दरभंगा क लक्ष्‍मीविलास पैलेस सरोवर क सौंदर्यीकरणक शिलान्‍यास आब तीन दिसंबर कए होएत, पहिने इ एक दिसंबर कए निर्धारित छल, मुदा पूर्व प्रधानमंत्री गुजराल क निधन क बाद राजकीय शोक घोषित भेला स इ कार्यक्रम कए आगू बढा देल गेल अछि।ज्ञात हुए जे राज्‍य क सरकार पर्यटनक दृष्टि स कामेश्‍वर नगर क विकास करबाक दिशा मे एकटा आर डेग बढेलक अछि। तीन दिसंबर कए कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय मुख्यालय स सटल पश्चिम स्थित सरोवर शुक्खी दिग्घी आ कामेश्‍वर नगर स्थित राज परिवारक श्‍मशान स्‍थल माधेश्‍वर परिसर क विकास आ सौंदर्यीकरण क शिलान्‍यास होएत। राज्‍यक पर्यटन मंत्री सुनील कुमार पिंटू दिनक करीब 2 बजे एहि दूनू परियोजनाक शिलान्‍यास करताह। एहि अवसर पर पीएचडी मंत्री चंद्रमोहन राय आ ग्रामीण विकास मंत्री नीतिश मिश्र सेहो उपस्थित रहताह। कार्यक्रम क अध्‍यक्षता नगर विधायक संजय सरावगी करताह। कार्यक्रम में विधानपार्षद विनोद चौधरी, दरभंगा क मेयर गौरी पासवान आ कामेश्‍वरसिंह संस्‍कृत विश्‍वविद्यालयक कुलपति अरविंद पांडेय सेहो मौजूद रहताह।

पर्यटन विभाग 6 करोड़ 66 लाख पांच हजार टका स कामेश्‍वर नगर स्थित राज परिवारक श्‍मशान स्‍थल माधेश्‍वर परिसर क विकास आ सौंदर्यीकरण संगहि एक करोड़ 64 लाख 87 हजार 900 टका स कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय मुख्यालय स सटल पश्चिम स्थित सरोवर शुक्खी दिग्घी क सेहो क विकास आ सौंदर्यीकरण क योजना तैयार केलक अछि। इ काज अगिला एक साल क अंतर पूरा करि लेल जाएत। दरभंगा क विधायक संजय सरावगी एहि संबंध मे विस्‍तार स जानकारी दैत कहला जे कामेश्‍वर नगर क विकास लेल ओ सतत प्रयत्‍नशील छथि। श्री सरावगी कहला जे एकरा दरभंगा शहर कए पर्यटन क मानचित्र पर अनबाक पैघ पहल कहल जा सकैत अछि। एकरा लेल ओ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी आ पर्यटन मंत्री सुनील कुमार पिंटू क प्रति आभार प्रकट केलथि।

कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय मुख्यालय स सटल पश्चिम स्थित सरोवर शुक्खी दिग्घी क विकास आ सौंदर्यीकरण क संबंध मे जानकारी दैत श्री सरावगी कहला जे एहि राशि स सरोवर क आसपास प्रकाश क व्यवस्था संगहि कछैर मे फुटपाथ क निर्माण, लैंडस्केपिंग, जेटी, मोटर वोट, पैडल वोट आदि क व्यवस्था होएत। श्री सरावगी कहला जे सौंदर्यीकरण क डिजाइन तैयार करबा काल एहि गप क खास तौर पर ध्‍यान राखल गेल अछि जे एकर वास्‍तुशैली राज परिसरक पुरान वास्‍तुशैली स मिलैत-जुलैत देखबा मे लागै। ओ कहला जे इ परियोजना कए पूरा भेला क बाद परिसर एक बेर फेर सुंदर आ व्‍यवस्थित लागत।
श्री सरावगी कहला जे माधेश्‍वर परिसर लेल राशि दू चरण मे देल जाएत। पहिल बेर 4,53,56,500 टका ओ दोसर बेर 2,12,48,500 टका क काज होएत। प्रथम चरण लेल स्वीकृत कैल गेल राशि मे स तत्काल 3,59,70,700 टकाक निकासी आ व्यय क स्वीकृति सेहो भेट गेल अछि। ज्ञात हुए जे एहि परिसर मे राज परिवारक कईटा चिता पर भव्‍य मंदिर बनल अछि। सबस पुरान मंदिर महाराजा रुद्र सिंह क चिता पर अछि जखन कि सबस नव मंदिर महाराजा कामेश्‍वर सिंह क चिता पर बनल अछि। ओना एहि परिसर मे सबस बेसी भीड महाराजा रामेश्‍वर सिंह क चिता पर बनल रामेश्‍वरी श्‍यामा मंदिर मे रहैत अछि। ओ कहला जे चौरंगीक विकास लेल सेहो योजना तैयार अछि।

एकर संगहि दूटा महत्‍वपूर्ण तथ्‍य पर गौर जरूर कैल जाए पहिल इ जे सौंदर्यीकरणक नाम पर महाराज शक्र सिंह द्वारा खोदाउल गेल पोखरी क आकार संग छोडछाड नहि कैल जाए, दोसर इ जे माधेश्‍वर परिसर मे बहुत एहन चिता अछि जाहि पर एखन धरि मंदिरक निर्माण नहि भ सकल अछि। सौंदर्यीकरणक नाम पर एहन चिता सब कए नष्‍ट नहि कैल जाए। ओकर सबहक संरक्षण क जरूरत अछि किया त ओ राज परिवार क धरोहर आ भावनात्‍मक महत्‍वक स्‍थल छी।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

विहार लेल तैयार होएत सरोवर

Esamaad Epaper Website

राज्‍यपाल क फैसला अवैध, छहटा वीसी आ चारिटा प्रोवीसी क नियुक्ति रद्द

Esamaad Epaper Website

दिल्‍ली पर फेर राज करत मैथिल : प्रभात झा

Comments 1

  1. prakash kumar jha says:
    12 years ago

    Etek vistaar sa jankari debak lel dhanyabaad.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि