नई दिल्ली। केंद्र सरकार बिजली संकट स जूझ रहल बिहार कए पैघ राहत देलक अछि। बाढ़ मे लागि रहल एनटीपीसी क 1320 मेगावाट क्षमता वाला संयंत्र स बिहार कए 50 प्रतिशत बिजली देल जाएत। एकर संगहि केंद्र बरौनी विस्तार योजना स संबद्ध ईधन आपूर्ति क मामला मे तेजी अनबा पर सेहो सहमत भ गेल अछि। केंद्रीय बिजली मंत्री सुशील कुमार शिंदे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कए पत्र क माध्यम स इ जानकारी देलथि अछि। हाल मे नीतीश क नेतृत्व मे सब दल क प्रतिनिधि राज्य मे बिजली क स्थिति पर विचार लेल प्रधानमंत्री स भेंट केने छलाह। प्रतिनिधिमंडल राज्य मे एनटीपीसी क लागि रहल दूटा परियोजना मे स 50 प्रतिशत बिजली क मांग केने छल। एहि दूनू परियोजना मे बाढ़ इकाई क स्टेज दू आ कहलगांव शामिल अछि। प्रतिनिधिमंडल राज्य मे बरौनी तापीय बिजली परियोजना क विस्तार लेल कोयला क आपूर्ति सुनिश्चित करबाक मांग केने छल। शिंदे लिखलाह अछि जे बिजली मंत्रालय बाढ़ क एसटीपीएस स्टेज-2 [1320 मेगावाट] परियोजना मे 50 प्रतिशत बिजली आवंटित करबा लेल तैयार अछि। पत्र मे ओ कहला अछि जे तत्कालिक मदद क रूप मे दामोदर घाटी निगम [डीवीसी] 100 मेगावाट बिजली क आपूर्ति बिहार कए करत। सुशील कुमार शिंदे कहला अछि जे बिहार राज्य बिजली बोर्ड भुगतान सुरक्षा सुनिश्चित करि सकैत अछि आ डीवीसी क संग उपयुक्त समझौता क सकैत अछि, ताकि बिजली क आपूर्ति जल्द शुरू भ सकए। ऊर्जा मंत्री शिंदे कहला जे एकर अलावा एनटीपीसी क नबीनगर स्टेज-2 क विस्तार क 2 गुना 660 मेगावाट क बजाए 3 गुना 660 मेगावाट कैल जाएत। एहि संबंध मे एनटीपीसी कए बिहार सरकार स विचार-विमर्श क गठजोड़ करबा लेल कहल गेल अछि। ज्ञात हुए जे एहि साल बिहार मे भेल एकटा सम्मेलन मे आदित्य बिड़ला समूह क चेयरमैन कुमार मंगलम बिड़ला कहने छलाह जे बिजली क पर्याप्त आपूर्ति नहि रहला स बिहार मे भारी उद्योग नहि लागि पाबि रहल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper