शनिदिन 660 क जगह पर भेल 675 मेगावाट उत्पादन
90 दिन क भीतर कॉमर्शियल ऑपरेशन क होएत घोषणा
बिहार कए भेटत 330 मेगावाट बिजली
पटना । बाढ़ थर्मल पावर स्टेशन क यूनिट संख्या चार स पूरा क्षमता क संग बिजली क उत्पादन शुरू भ गेल। एकर पुष्टि बाढ़ थर्मल पावर स्टेशन क सहायक प्रबंधक जनसंपर्क विश्वनाथ चंदन केलथि अछि। ओ कहला जे शनिदिन सांझखन 660 मेगावाट क क्षमता क एहि यूनिट मे फुल लोड पर बिजली क उत्पादन शुरू भेल, जे देर राति बढ़िकए 675 मेगावाट तक पहुंच गेल। फुल लोड क संग उत्पादन शुरू भेलाक नब्बे दिन क भीतर एहि यूनिट क कॉमर्शियल ऑपरेशन क घोषणा क देल जाएत। एकर बाद बिहार समेत पूर्वी क्षेत्र क राज्य कए बिजली भेट सकत। ज्ञात हुए जे पिछला मास सिंक्रोनाइजेशन क अवधि समाप्त भ गेल छल। एकर बाद इ नेशनल ग्रिड स जुड़ि गेल छल। आब एहि थर्मल पावर स्टेशन मे 660 मेगावाट क क्षमताक स्टेज दू क यूनिट संख्या चारि क टरबाइन तीन हजार आरपीएम क रफ्तार स चलि रहल अछि। इ यूनिट स्वतंत्र फ्रिक्वेंसी सेहो हासिल क सीधा नेशनल ग्रिड कए बिजली द रहल अछि। नब्बे दिन तक नेशनल ग्रिड कए ट्रायल क तौर पर एहि ठामक बिजली आपूर्ति होएत। कोनो हाल मे आब अगिला वर्ष फरवरी तक एहि संयंत्र स बिहार समेत कईटा राज्य कए बिजली उपलब्ध करा देल जाएत। बिहार कए एहि यूनिट स पचास फीसदी यानी 330 मेगावाट बिजली भेटत। बिहारक इ पहिल सुपर क्रिटिकल तापघर अछि, जे कम ईधन मे पूरा क्षमता क संग बिजली क उत्पादन क रहल अछि। आब 660 मेगावाट क यूनिट संख्या पांच क कमीशनिंग शुरू क देल गेल अछि। जुलाई स एहि यूनिट मे सेहो उत्पादन शुरू भ जाएत। फेर स्टेज-एक मे 660 मेगावाट क क्षमता क बचल तीन यूनिट क कमीशनिंग आ सिंक्रोनाइजेशन क काज शुरू होएत। फेर सबटा पांच यूनिट स 33 सौ मेगावाट बिजली क उत्पादन होएत। वर्ष 2016 तक बाढ़ थर्मल पावर स्टेशन क सबटा यूनिट स 33 सौ मेगावाट बिजली भेटत।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
wah..wah..sukhad samaad.