• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिजली क्षेत्र मे बिहार कए भेटल ‘महासनेस’

July 28, 2012
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना। बिहार कए ऊर्जा क्षेत्र मे केंद्र महासनेस देलक अछि। बिहार मे अल्ट्रा मेगा पावर प्रोजेक्ट लगेबा लेल केंद्र तैयार भ गेल अछि। एहि योजना क तहत चार हजार मेगावाट स बेसी क बिजली उत्पादन केन्द्र बिहार मे स्थापित होएत। इ प्रोजेक्ट नालंदा जिला मे लगबाक संभावना अछि।
केन्द्रीय टीम अल्ट्रा मेगा पावर प्रोजेक्ट लगेबा लेल स्‍थान चयन करबा लेल पटना पहुंचल अछि। टीम क सदस्‍य ऊर्जा विभाग, जलसंसाधन विभाग, भूमि सुधार विभाग आओर बिहार राज्य विद्युत बोर्ड क अधिकारी क संग बैसार क हर संभावना पर मंथन क रहल छथि। स्‍थान चयन लेल दिक्‍कत इ अछि जे एहि प्रोजेक्ट लेल कम स कम 2400 एकड़ भूमि आ 120 क्यूसेक जल चाही। सेटेलाइट क सहयोग स भूमि क तलाश शुरू भ चुकल अछि। संभावना अछि जे जमीन नालंदा जिला मे उपलब्‍ध भ जाएत जाहि ठाम अल्ट्रा मेगा पावर प्रोजेक्ट लगाउल जा सकत। सूत्र कहैत अछि जे नालंदा मे जमीन त उपलब्ध भ जाएत मुदा जल उपलब्ध नहि अछि। विशेषज्ञ मुख्‍य रूप स एहि पर चर्च क रहल छथि। एहन मे एहि पर सेहो विचार भ रहल अछि जे गंगा नदी स नालंदा तक जल ल जाउल जाए जाहि स ओहि ठाम जल उपलब्ध कराउल जा सकए। ओना राज्‍यक अन्‍य स्‍थान पर सेहो जमीन ताकल जा रहल अछि।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ ऊर्जा मंत्री बिजेन्द्र प्रसाद यादव अल्ट्रा मेगा प्रोजेक्ट लेल काफी दिन स प्रयास क रहल छलाह। प्रदेश मे बिजली उत्पादन स संबंधित एहन प्रोजेक्ट आइधरि नहि लागल छल। एकरा लेल राज्‍य सरकारक बेगरता एहि स प्रकट होइत अछि जे बिहार इंफ्रास्टक्चर कए भूमि तकबा लेल मात्र एक सप्ताह क समय देल गेल अछि। केन्द्रीय टीम एक मास बाद फेर बिहार क दौरा करत आ पावर प्लांट लेल चयनित स्‍थलक निरीक्षण करत। सूत्रक कहब अछि जे भूमि उपलब्ध भेलाक बाद जल्‍द स जल्‍द इ प्रोजेक्ट बिहार मे लागब शुरू भ जाएत। ज्ञात हुए जे राज्य सरकार कए पिछला मास बाढ़ थर्मल पावर मे 50 फीसदी हिस्सेदारी भेटल आ पिछला सप्‍ताह बरौनी थर्मल लेल कोल लिंक देल गेल। दोसर दिस बिहार सरकार चौसा, बक्सर आ कजरा मे पावर प्लांट लगेबाक तैयारी सेहो शुरू क देलक अछि। ओना एकरा लेल एखन धरि कोल ब्लाक नहि भेटल अछि। बिहार राज्य विद्युत बोर्ड क जनसंपर्क निदेशक हरेराम पाण्डेय क कहब अछि जे अल्ट्रा मेगा पावर प्रोजेक्ट लगलाक बाद प्रदेश क बिजली समस्या एकटा इतिहास बनि जाएत। केन्द्रीय टीम मे केन्द्रीय विद्युत प्राधिकरण क निदेशक पीडी शिवाल, सचिव एमएस पुरी, मुख्य अभियंत अरुण कुमार जैन, पावर फाइनेंस कारपोरेशन क सलाहकार डीके गोल्होत्रा सहित अन्य अधिकारी शामिल छथि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार कए चाही एकटा आओर एम्‍स : कीर्ति

मैथिलक कासी-कावा मे गुंजल कलरव

Esamaad Epaper Website

बिहार मे होएत निवेश आ सलाहकार परिषद क गठन

Comments 2

  1. सुशांत झा says:
    13 years ago

    नालंदा में कियेक फेर..? की एकर वजह तकनीकी अछि जे ओ झारखंड के कोयला इलाका सं सटल अछि वा नीतीश कुमार के इलाका के वजह से एना..?

    Reply
  2. AKHILESH KUMAR JHA says:
    13 years ago

    bahut neek laagal . apne loknik sampark me rahab aa jatba dhari humra lel shambhav hoyat apne lokni ke kaaj aayab . sadhanyabaad .

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि