• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिजली पर निर्भर भेल नीतीश क राजनीति

January 18, 2013
in समाचार
A A

पटना । कहबा लेल एखन धरि बिजली स केवल पंखा टीवी सन यंत्र चलैत छल, मुदा आब बिहार मे नीतीशक राजनीति सेहो बिजली पर चलत। कहबाक अर्थ इ जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे अगर 2015 धरि बिहार बिजलीक मामला मे आत्मय निर्भर नहि भेल त हुनक राजनीति खत्म भ जाएत ओ वोट मंगवा लेल जनता लग नहि अउताह। नीतीश कहला अछि जे बिजली क बारे मे हुनक संकल्प जग जाहिर अछि, एहि मामला मे ओ ‘करो या मरो’अर्थात या त बिजली उपलब्ध कराउ अथवा रास्ता‘ स हटि जाउ क नीति अपना लेने छथि। नीतीश कहला जे अपन एहि संकल्प कए धरती पर उतारबा लेल आ ओकरा मूर्तरूप प्रदान करबा लेल हुनकर संग सब गोटे प्रयासरत छथि। ओ कहला जे हुनका उम्मीरद अछि जे बिजली मंत्री आ बिजली विभाग क अधिकारी हुनक राजनीतिक जीवन कए खत्म हेबा स बचा लेताह।
मुख्यकमंत्री ओना एहन दावा मुख्यएमंत्री सडकक मामला मे सेहो केने छलाह आ बहुत हद तक हुनक दावा सच साबित भेल, एहन मे उम्मीसद कैल जाए जे हुनक इ दावा सेहो सच होएत। अपन दावा कए पुख्ताए करबा लेल नीतीश सरकार पिछला किछु मास मे कईटा पैघ फैसला लेलक अछि। एहि क्रम मे ताजा प्रयास चौसा मे देखबा लेल भेटल। 17 जनवरी कए बक्सर क चौसा मे थर्मल पावर प्रोजेक्ट कए पूरा करबा लेल मुख्य मंत्री नीतीश कुमार, ऊर्जा मंत्री बिजेंद्र प्रसाद यादव, कला आ संस्कृति मंत्री प्रो सुखदा पांडेय क मौजूदगी मे त्रिपक्षीय समझौता भेल। बिहार स्टेट पावर (होल्डिंग) कंपनी, केंद्र सरकार आ हिमाचल प्रदेश क साझा कंपनी सतलज जल विद्युत निगम लिमिटेड आ बिहार पावर इन्फ्रास्ट्रर कॉरपोरेशन क बीच इ करार भेल अछि।
ज्ञात हुए जे ए श्रेणी क कंपनी सतलज कए मिनी रत्न क दर्जा प्राप्त अछि। सात हजार करोड़ क इ कंपनी 1988 मे शुरू भेल। हिमाचल मे देश क सबसे पैघ थर्मल पावर प्रोजेक्ट 1500 मेगावाट क नाथपा झाकड़ी जल विद्युत परियोजना क निर्माण क चुकल इ कंपनी हिमाचल प्रदेश, उत्तराखंड, अरुणाचल प्रदेश, महाराष्ट्र, गुजरात आ बिहार क अलावा पड़ोसी देश नेपाल क संग मिल कए 7500 मेगावाट क परियोजना पर काज क रहल अछि। कंपनी एहि परियोजना कए ग्रीन फील्ड क आधार पर विकसित करत। समझौता क अवसर पर पूरा बिजली विभाग चौसा मे मौजूद छल। बिहार स्टेट पावर होल्डिंग कंपनी क अध्यक्ष सह प्रबंध निदेशक प्रभात कुमार राय, निदेशक (वित्त एवं राजस्व) विनायक चंद्र गुप्ता, निदेशक (उत्पादन) ललन प्रसाद, निदेशक (संचरण) टुनटुन झा, सचिव केके वर्मा, नार्थ बिहार पावर डिस्ट्रीब्यूशन कंपनी लिमिटेड क प्रबंध निदेशक संजय कुमार अग्रवाल, साउथ बिहार पावर डिस्ट्रीब्यूशन कंपनी लिमिटेड क प्रबंध निदेशक पलका साहनी, उप महाप्रबंधक (जनसंपर्क) हरेराम पांडेय, एसजेवीएन लिमिटेड क सीएमडी आरपी सिंह, निदेशक (कार्मिक) एनएल शर्मा, निदेशक (वित्त) एएस विंद्रा, निदेशक (विद्युत) राकेश बंसल, मुख्य सतर्कता अधिकारी वीएनएस नेगी, कार्यकारी निदेशक (व्यापार आ विकास) आरके अग्रवाल सहित कंपनी आ निगम क अन्य अधिकारी मौजूद छलाह।

बिहार मे बिजली क मांग आ आपूर्ति
वित्तीय वर्ष 2013-14 मे बिजली क उपलब्धता
केंद्रीय सेक्टर स ——————————————— 1834 मेगावाट
डीवीसी स———————— ——————————100 मेगावाट
कांटी क आधुनिकीकरण आ मरम्मतीकरण ——————-220 मेगावाट
बरौनी क आधुनिकीकरण आ मरम्मतीकरण——————-220 मेगावाट
बाढ़ थर्मल पावर (स्टेज दो-660 मेगावाट क तीन)——-330 मेगावाट
अदानी पावर स खरीद ——-———————————200 मेगावाट
कुल ————————————————————2904 मेगावाट

बिजली क क्षेत्र मे 2015 तक आत्मनिर्भर होएत बिहार

परियोजना——————-मेगावाट—————-भेटत
बरौनी————————220——————-2013 मे, आधुनिकीकरण।
बरौनी————————500——————-2014-15 मे, नव इकाई।
बरौनी————————250 ——————प्रस्तावित, कोल लिंकेज क जरूरत।
कांटी————————220——————-2013 मे, आधुनिकीकरण।
कांटी————————390——————-2014-15 मे, नव इकाई।
नवीनगर———————458——————2016-17 मे.
नवीनगर-दो—————-1320——————-समझौता भेल मात्र। 2017-18 मे होएत पूरा।
नवीनगर, रेलवे क संग—-100 ——————2015-16 मे।
पुनातसांचू आ मंगडेचू——-1500——————प्रस्ताव केंद्र लग।
होएत खरीद——————-960——————-2014-15 स।
आइपीसीएल आ मिराच ——-660—————85 प्रतिशत हिस्सा, 2015-16 मे।
अल्ट्रा मेगा पावर प्रोजेक्ट——4000———-भूमि सर्वे क काज पूरा भेल।
पीरपैंती, कजरा आ चौसा—3960——————-85 प्रतिशत हिस्सा, कोल लिंकेज भेटला पर चारि साल मे होएत पूरा।

वित्तीय वर्ष———अनुमानित उपलब्धता (मेगावाट मे)
2012/13—————2134
2013/14—————2904
2014/15—————4672
2015/16—————5456
2016/17—————5889

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विवि मे होएत फ्रेंच समेत कईटा विदेशी भाषाक पढाई

Esamaad Epaper Website

बिहार सशस्त्र महिला सैन्य पुलिस मे शामिल भेलीह 580टा रंगरुट

Esamaad Epaper Website

विवि क गैरशैक्षणिक स्टाफ कए भेटत प्रदेश क कर्मचारी क बराबर क दर्जा

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि