पटना : बिहार सरकार करीब सात हजार करोड़ टका स अशिक्षित महिला सब लेल टैबलेट उपलब्ध कराउत। गरीबी रेखा स नीचा जीवन यापन क रहल तीन करोड़ अशिक्षित महिला आ युवती कए सरकार टैबलेट देत। बिहार क सूचना आ प्रौद्योगिकी मंत्री शाहिद अली खान कहला जे राज्य मे गरीबी रेखा स नीचा जीवन यापन (बीपीएल) क रहल तीन करोड़ अशिक्षित महिला आ युवती कए टैबलेट बांटल जाएत। शाहिद कहला जे एहि स अशिक्षित महिला सबहक बीच शिक्षा क माहौल बनत। एहि योजना पर सात हजार करोड़ टका खर्च होएत। एकरा सबस पहिने प्रदेश क चारिटा ई-जिलों मधुबनी, गया, जहानाबाद आ नवादा मे लागू कैल जाएत। शाहिद कहला जे एहि महिला आ युवती कए वसुधा केंद्र या आंगनबाड़ी केंद्र मे प्रशिक्षण देबाक सेहो व्यवस्था कैल जा रहल अछि। दोसर दिस एहि योजना क आलोचना सेहो शुरू भ गेल अछि। विपक्षक कहब अछि जे सरकार स्कूल मे एखन धरि ब्लैक बोर्ड आ बेंच क व्यवस्था नहीं क सकल अछि आ दोसर दिस सात हजार करोड टका एहन वस्तु पर खर्च क रहल अछि जेकर उपयोगिता बुझब तत्काल कठिन अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa