नई दिल्ली। देश मे नक्सल एकटा पैघ समस्या अछि आ एकरा स निपटबा लेल केंद्र सीधा कोनो कार्रवाई राज्य मे नहि क पाबि रहल अछि। संघीय व्यवस्था क तहत कानून आ वयवस्था राज्यक परिधि मे अबैत अछि, ताहि लेल केंद्र सरकार नौटा नक्सलग्रस्त राज्यक एकटा एकीकृत कमान क गठन केलक अछि जेकर नेतृत्व बिहार क मुख्यमंत्री कए भेट सकैत अछि। देश लेल ‘वस्तु एवं सेवा कर’ (जीएसटी) निर्धारण समिति क अध्यक्षता भेटलाक बाद इ दोसर महत्वपूर्ण जिम्मेदारी बिहार कए सौंपल जा रहल अछि।
जानकारी क अनुसार केंद्र सरकार चाहैत अछि जे बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार नक्सली स निपटबा लेल गठित एहि एकीकृत कमान क नेतृत्व करथि। हुनकर नेतृत्व मे अगर इ कमान काज करत त नक्सली क अंतिम गढ़ सेहो ध्वस्त भ सकैत अछि।
सरकार क नक्सल विरोधी अभियान क जानकार सूत्र क कहब अछि जे आन राज्यक अपेक्षा बिहार में नक्सलीक हौसला पस्त भ चुकल अछि, ओ हताशा क स्थिति मे छथि। ज्ञात हुए जे पिछला सप्ताह नौ राज्यक मुख्य सचिव आ पुलिस महानिदेशक क भेल बैसार मे इ सर्वसम्मति स राय बनल जे एहन कोनो कमानक नेतृत्व बिहार क मुख्यमंत्री करैत छथि त परिणाम सकारात्मक भ सकैत अछि। एहि लेल तीनटा राज्यक मुख्यमंत्री पर आओर विचार भेल, लेकिन आम राय बिहारक मुख्यमंत्री पर बनि सकल। आब देखबाक चाही जे बिहार क मुख्यमंत्री एहि प्रसताव कए स्वीकार करैत छथि बा नहि। अगर वो एहि प्रस्ताव कए स्वीकार क लैत छथि त केवल बिहार नहि बल्कि नक्सल विरोधी अभियान मे लागल नौटा राज्य के अधिकारी समेत केंद्र सरकार क पदाधिकारी हुनक नेतृत्व मे काज करताह।
एकीकृत कमान मे सुरक्षा अधिकारी क अलावा सामान्य प्रशासन क प्रतिनिधित्व करनिहार अधिकारी सेहो रहताह। इ कमान सावधानीपूर्वक सुनियोजित ढंग स नक्सल विरोधी अभियान चलाउत। केंद्र सरकार क एकटा वरिष्ठ अधिकारी क कहब अछि जे बिहार मे गया आब नक्सली क अंतिम गढ़ बचल अछि। ओ कहला जे यदि गया स नक्सली क सफाया भ जाए त बिहार सशस्त्र नक्सली स मुक्त भ सकैत अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna