• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहार एहिना नहि बनल देश लेल रोल माडल

August 4, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

प्रितिलता मल्लिक
पटना। बिहार पंचायती राज व्यवस्था क मामला मे देशक अन्‍य राज्‍य लेल आइ रोल माडल बनि गेल अछि। बिहारक इ बदलाव कोनो जादू टोनाक कारण नहि भेल, बल्‍कि एकर पाछु एकटा लंबा आ मजबूत प्रक्रिया रहल। कहियो सामंती ताकत आओर जमींदार क हवेली तक सिमटल मुखियाक पद पर आब गामक गरीब आ पसीना क गंध स तर बतर रहनिहार आम मेहनतकश क बेटा-पुतहु बैस रहल अछि। हिनका सब कए मात्र राजनीतिक ताकत नहि भेटल अछि, बल्कि इ सब बड जतन स पंचायत क भाग्‍य सेहो बदलि रहल छथि। एतबे नहि घर क दुहारि स बाहर कहियो पैर नहि रखनिहारि महिला कए गामक पंचायत क बागडोर पकडबा लेल तैयार करनिहार बिहार देश क पहिल राज्य अछि। आइ बिहारक एहि काज कए दोसर राज्य अपन पंचायत लेल माडल बना रहल अछि। एहन मे विचारणीय अछि जे आखिर बिहार अपन पंचायत कए कोना आर्दश रूप द सकल। जे राज्‍य पिछला 23 साल स पंचायत चुनाव नहि देखने छल, ओ राज्‍य कोना आइ देश लेल एकटा मॉडल बनि गेल। निश्चित रूप स इ एकटा शोधपरक आ उल्‍लेखनीय यात्रा अछि।
2005 क नवंबर मे सरकार क काज संभारबाक बाद पंचायत मे आरक्षण क प्रक्रिया क समाधान ताकल गेल। पिछुलका सरकार मे इ मामला अदालत मे लटकल छल। नव सरकार 2006 मे कानून क पेचिदगी कए दूर केलक आ पिछडा आ महिला कए आरक्षण क सुविधा देलक। आबादी क अनुपात मे अनुसूचित जाति कए 16 प्रतिशत, अनुसूचित जन जाति कए एक प्रतिशत आ अति पिछडी जाति कए 20 प्रतिशत क आरक्षण देल गेल। इ ऐतिहासिक फैसला छल। जे काज एखनधरि क सरकार सब नहि क चुकल छल ओ संभव भेल। इ व्‍यवस्‍था केवल ग्राम पंचायत नहि बल्कि त्रिस्तरीय पंचायती राज व्यवस्था मे ग्राम कचहरी, नगर पंचायत, प्रखंड प्रमुख आ जिला परिषद क सबटा पद लेल लागू भेल। एकर सबस बेसी लाभ अति पिछडी जाति कए भेटल। एखन धरि सत्ता स दूर रहल एहि जाति सबहक सामाजिक स्थिति नीक नहि छल। जखन आरक्षण क व्यवस्था भेल त एहि समाज मे शासन-प्रशासन क प्रति जागरूकता आयल। दूटा चुनाव स 8842 ग्राम पंचायत आ एतबे ग्राम कचहरी मे कम स कम एक चौथाइ पद पर अति पिछडी जाति क लोक निर्वाचित भेलथि। पंचायत स जिला परिषद क पद पर महिला लेल पचास प्रतिशत सीट आरक्षित कैल गेल अछि। 2006 मे जखन नव व्यवस्था क तहत चुनाव क घोषणा भेल त गाम मे एकटा नव क्रांति क झलक दिखबा लेल भेटल। घोघ मे रहनिहारि महिलाएं मुखिया, सदस्य, जिला परिषद लेल नामांकन दाखिल करबा लेल घर स बाहर निकलथि। इ पहिल मौका छल, हुनकर संग पति छल, बेटा छल आ पुरुष अभिभावक। शायद कोनो टोला या बसावट नहि रहल जाहि ठाम स कियो महिला उम्मीदवार सामने नहि एलीह। चुनाव भेल, नतीजा आयल, एकटा नव व्यवस्था गाम मे आयल। पहिनेसन बिहार बदलए लागल छल। पैघ संख्या मे महिला आ अति पिछडी जाति स अबिनिहार पुरुष आ महिला कए चुनि कए आयल त सरकार हिनकर स्वागत केलक। पंचायत क बाद ग्राम कचहरी, पंचायत परिषद, जिला परिषद क चुनाव कराउल गेल। जिला परिषद क अध्यक्ष-उपाध्यक्ष आओर नगर निगम क मेयर आओर उप महापौर क पद कए सेहो आरक्षित कैल गेल। पंचायत कए धीरे -धीरे अधिकार सौंपल गेल। प्राथमिक स हाई स्कूल मे शिक्षकक नियुक्ति क अधिकार त्रिस्तरीय पंचायती राज सिस्टम कए सौंपल गेल। पंचायत कए प्राथमिक आ मिडिल शिक्षक क नियुक्ति आ हुनकर वेतन, मानिटरिंग आदि क अधिकार भेटल।
2006 क बाद 2011 मे पंचायत क चुनाव भेल। धीरे धीरे जखन पटरी पर व्यवस्था आयल त एहि मे सुधार क सेहो गुंजाइश बनए लागल। पंचायत कए अधिकार भेटल त हुनकर मनमानी रोकबाक सेहो व्यवस्था भेल। 2007 मे पहिल संशोधन कैल गेल। सरकार मुखिया, उप मुखिया, प्रखंड प्रमुख, उप प्रमुख, जिला परिषद अध्यक्ष आओर उपाध्यक्ष क पद स हटाउल गेल लोक कए अगिला पांच साल तक लेल चुनाव लडबा पर रोक लगेबाक नियम बनल। 2009 मे दोसर संशोधन पारित कैल गेल। इ तय भेल जे जाहि पद लेल आरक्षण क व्यवस्था भेल, ओ लगातार नहि होएत। बल्कि दूटा चुनावी वर्ष क साइकिल होएत। यानि 2006 मे जे पद आरक्षित कैल गेल ओकर स्थिति 2011 क चुनाव मे सेहो यथावत रहेत। 2016 मे प्रस्‍तावित चुनाव मे आरक्षण क साइकिल बदलत।
2010 मे सरकार एकटा आओर संशोधन केलक। काज सुभितगर करबा लेल पंचायत क मुख्य कार्यपालक अधिकारी आब प्रखंड विकास पदाधिकारी कए बना देल गेल। पहिने इ एडीएम स्तर क वरीय अधिकारी कए अधिसूचित कैल गेल छल। 2011 मे सरकार एकटा आओर नव व्यवस्था केलक। लोक प्रहरी क नियुक्ति क विधान मंडल स कानून पारित क एकरा लागू कैल गेल। एकर तहत कोनो मुखिया, उप मुखिया, प्रमुख, उप प्रमुख, जिला परिषद अध्यक्ष आओर उपाध्यक्ष कए पद स हटाबा लेल एकटा लोक प्रहरी क नियुक्ति होएत। लोक प्रहरी क जांच क बाद कोनो पंचायत प्रतिनिधि कए ओकर पद स हटाउल जाएत। एकर संगहि निर्वाचित पंचायत प्रतिनिधि कए लोक सेवक क दरजा सेहो देल गेल।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

शोभा अहोतकर बैक टू बिहार

Esamaad Epaper Website

कोलकाता मे होएत 'गीतगाइन' प्रतियोगिता

Esamaad Epaper Website

दू अक्‍तूबर कए पटना मे लागत गांधी क सबस पैघ प्रतिमा

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि