नई दिल्ली। उत्तर प्रदेश सरकार दिस स चारिटा अखिल भारतीय आयुर्विज्ञान संस्थान (एम्स) क मांग क बाद आब बिहार क भाजपा नेता सेहो एहि लेल लामबंद भ गेलाह अछि। भाजपा नेता कीर्ति आजाद केंद्रीय स्वास्थ्य मंत्री स भेंट क कहला अछि जे बिहार मे स्वास्थ्य सेवा क अभाव अछि। एहन मे कम स कम बिहार मे दूटा एम्स हेबाक चाही। ओना आधिकारिक रूप स जगहक नाम नहि लेल गेल अछि मुदा कहल जा रहल अछि जे बिहारक दोसर एम्स दरभंगा या उत्तर बिहारक कोनो आन शहर मे खोलबाक प्रयास कैल जा रहल अछि।
गौरतलब अछि जे प्रधानमंत्री पहिने पटना, भोपाल, भुवनेश्वर, जोधपुर, रायपुर आ ऋषिकेश मे एम्स बबनेबाक घोषणा क चुकल छथि आ पटना एम्स मे एहि साल स पढाई शुरू भ रहल अछि। मंत्रालय क सूत्र क कहब अछि जे दरभंगाक सांसद कीर्ति झा आजाद स्वास्थ्य मंत्री गुलाम नबी आजाद स भेंट केलथि अछि आ बिहार मे स्वास्थ्य सेवा क अभाव क हवाला दैत बिहार मे दूटा एम्स बनेबाक मांग केलथि अछि।
स्वास्थ्य मंत्रालय क शीर्ष अधिकारी क अनुसार एम्स लेल एकटा प्रक्रिया होइत अछि। राज्य सरकार आधा जमीन दैत अछि बाकी क लेल अधिग्रहण क प्रक्रिया शुरू होइत अछि। फेर डिजाइन आ डिटेल प्रोजेक्ट रिपोर्ट तैयार होइत अछि। डीपीआर क काज जमीन अधिग्रहण क बाद शुरू होइत अछि। एहन मे एखन एहि प्रकारक कोनो मांग कए पूरा हेबा मे समय लागि सकैत अछि। ओनाओ प्रधानमंत्री स्वास्थ्य सुरक्षा योजना क तहत राज्य मे एम्स खोलल जाइत अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper