पटना। विश्व बैंक आ बिहार सरकार क बीच आपदा प्रबंधन क्षेत्र मे एकटा समझौता भेल। एहि समझौता क तहत विश्व बैंक प्रदेश कए 4,500 करोड़ टका कर्ज देबाक स्वीकृति देलक अछि। एहि कर्ज पर दस साल तक कोनो ब्याज नहि लागत। बिहार सरकार कए उम्मीद अछि जे अगिला दस साल मे इ कर्ज चुका देल जाएत। एहि मे स 1,000 करोड़ टका कोसी क्षेत्र क पुर्नस्थापना क लेल अछि।
समझौता पत्र पर हस्ताक्षर क बाद मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ विश्व बैंक क अध्यक्ष राबर्ट बी़ जोलिक एकटा संयुक्त संवाददाता सम्मेलन कए सम्बोधित केलथि। जोलिक कहला जे इ बिहार क संग नव रिश्ता क शुरुआत छी, जखनकि नीतीश एकरा लेल विश्व बैंक क अध्यक्ष कए धन्यवाद देलथि।
गौरतलब अछि जे 2008 मे कोसी मे आयल बाढ़ स करीब 33 लाख स बेसी लोक प्रभावित भेल छल। विश्व बैंक द्वारा देल गेल राशि स एक लाख घर बनाउल जाएत। एकर अलावा 290 किलोमीटर सड़क आ 90टा पुल-पुलिया क निर्माण होएत, 50 हजार लोक कए आजीविका क साधन स जोड़ल जाएत ताकि ओ अपना कए कर्ज मुक्त करि सकथि।




