• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहार क हिस्‍सा मे पहिल बेर आयल सीबीआई निदेशक क पद

November 23, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

सुपौल एसएसपी स सीबीआई क निदेशक तक
मधुबनी मे देलक पहिल बेर एसपी क रूप मे सम्‍मान
नई दिल्‍ली।
भारतीय पुलिस सेवा क वर्ष 1974 बैच क बिहार कैडर क अधिकारी रंजीत सिन्हा बिहार स पहिल आईपीएस छथि जिनका सीबीआई क निदेशक बनाउल गेल अछि। श्री सिन्हा वर्ष 1991 स ल कए वर्ष 2001 तक केन्द्रीय प्रतिनियुक्ति पर छलाह जखन कि वर्ष 2001 मे बिहार घुरलाक बाद फेर स वर्ष 2004 मे केन्द्रीय प्रतिनियुक्ति पर चल गेल छलाह। फिलहाल श्री सिन्हा आईटीबीपी क महानिदेशक क पद पर काज क रहल छथि। ओना भाजपा हिनक नियुक्ति क प्रक्रिया क विरोध करैत अधिसूचना कर रद्द करबाक मांग केलक अछि।
गृह (आरक्षी) विभाग स प्राप्त जानकारी क अनुसार श्री सिन्हा अगिला वर्ष 31 मार्च कए सेवानिवृत्त हेबाक छल मुदा आब सीबीआई क निदेशक क पद पर तैनात भेलाक बाद हुनक कार्यकाल दू साल होएत। यानी हुनकर सेवा अवधि वर्ष 2014 क नवम्बर तक विस्तारित भ जाएत।
बिहार कैडर क आईपीएस अधिकारी श्री सिन्हा करियर क शुरुआत बतौर अपर पुलिस अधीक्षक (एएसपी) क रूप मे सुपौल जिला क वीरपुर अनुमंडल स केने छथि। तखन वीरपुर सहरसा जिला क अंतर्गत छल। ओकर बाद ओ बतौर एएसपी, रांची (आब झारखंड) मे सेहो काज केलथि। हुनका पहिल बेर पुलिस अधीक्षक क रूप मे मधुबनी जिला मे तैनात कैल गेल। बाद मे ओ सहरसा मे सेहो पुलिस अधीक्षक रहलाह। ओकर बाद हुनका पटना मे पुलिस अधीक्षक (रेल) बनाउल गेल। एकर बाद श्री सिन्हा विशेष शाखा मे एसपी (सुरक्षा) आ एसपी (ए) क रूप मे काज केलथि।
पुलिस उप महानिरीक्षक क रूप मे प्रोन्नति भेटलाक बाद ओ मगध रेंज (गया) क पुलिस उप महानिरीक्षक बनाउल गेलाह। बाद में वर्ष 1991 मे केन्द्रीय प्रतिनियुक्ति पर गेलाक बाद जखन घुरलाह त ओ बिहार मे कोनो पद पर नहि रहलाह आ बिहार भवन मे आईजी सह विशेष कार्य पदाधिकारी (ओएसडी) क रूप मे दिल्ली मे अपन सेवा दैत रहलाह। किछु दिन पूर्व केन्द्र सरकार श्री सिन्हा कए महानिदेशक क पद पर प्रोन्नति दैत हुनका इंडो-तिब्बत सीमा सुरक्षा बल (आईटीबीपी) क महानिदेशक क पद पर तैनात केने छल।
सीबीआई क निदेशक बनबा स पहिने श्री सिन्हा आईटीबीपी क महानिदेशक क रूप मे काज क रहल छथि। राज्य पुलिस मुख्यालय क आधिकारिक सूत्र कहलक अछि जे श्री सिन्हा बतौर सीबीआई निदेशक कम स कम दू साल काज करताह। इ बिहार लेल पहिल मौका अछि जखन बिहार क दूटा अधिकारी केन्द्र सरकार क महत्वपूर्ण पद पर तैनात अछि। बिहार कैडर क वरिष्ठ आईएएस अधिकारी राजकुमार सिंह फिलहाल गृह मंत्रालय मे सचिव क रूप मे काज क रहल छथि आ आब आईपीएस अधिकारी रंजीत सिन्हा कए सीबीआई क निदेशक क जिम्मेवारी देल गेल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

आब होएत नियोजित शिक्षक क स्थानांतरण

Esamaad Epaper Website

सोनालिका समूह करत बिहार मे ट्रैक्टर निर्माण

Esamaad Epaper Website

कर्मी क कमी दूर करत बिजली कंपनी

Comments 1

  1. kamal says:
    13 years ago

    jay bihar

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि