पटना । बिहार विधानसभा चुनावक तारीखक घोषणा कखनो भए सकैत अछि. चुनावके देखैत बीजेपी भारतीय जनता युवा मोर्चाके युवा लोकनिके जोड़ने राखब आ ओकरा बूथ धरि ल’ जयबाक जिम्मेदारी देलक अछि. एकरा ल’ बिहार भाजयुमो कतेको कार्यक्रम तय कयलक अछि. एहि कार्यक्रममे डिजिटल योद्धा स’ ल विभिन्न प्रोफेशनल्सक संग बैसक क’ हुनक फीडबैक लेब आ हुनका बीजेपीक पक्षमे वोट करबाक लेल प्रेरित करब शामिल अछि. बिहार भाजयुमो एहि केर तहति अपन कार्यक्रम शुरू क’ देलक अछि आ भाजयुमोक मोताबिक एकर रिजल्ट नीक सेहो भेटि रहल अछि.
एहि बेर कोरोना महामारीक कारणे बहुत रास चीज़ सोशल मीडिया एवं टेक्नोलॉजी पर आधारित होयत. एकरा ल’ भारतीय जनता युवा मोर्चा सभ मंडलमे डिजिटल योद्धा बना रहल अछि. बिहारक 1099 मंडलमे एक-एकटा डिजिटल योद्धा होयताह. इ डिजिटल योद्धा अपना नीचा सभ बूथ पर पांच-पांच गोट डिजिटल यूथ बनओताह. इ सभ मिलिकय व्हाट्सएप, फेसबुक, टि्वटर पर पार्टी लेल प्रचार करताह जे बेसी स’ बेसी लोकके बीजेपी संग जोड़थि आ प्रेरित करथि जे ओ बीजेपीक लेल वोट करय. बिहार भाजयुमोक प्रदेश अध्यक्ष दुर्गेश सिंहक अनुसार डिजिटल योद्धा आ डिजिटल यूथक माध्यम स’ घर-घरमे बीजेपीक सनेस ल’ जायब लक्ष्य अछि. केंद्र सरकारक योजना, केंद्र सरकारक नीति, राज्य सरकारक योजना और राज्य सरकारक नीति एकर अलावा आबयवला समयमे कोन तरहे सरकार बनय पर काज कयल जाएत, इ सभ मैसेज सोशल मीडियाक माध्यमे घर-घर धरि पहुंचयबाक लक्ष्य राखल गेल अछि. डिजिटल प्लेटफॉर्मक माध्यमे लोक घर बैसल सभ जनतब अपना मोबाइल स’, कंप्यूटर स’ ल’ सकैत अछि एकर व्यवस्था भाजयुमो क’ रहल अछि. बिहार भाजयुमो ओहि प्रोफेशनल्सके सेहो टारगेट कयलक अछि जे कतौ ने कतौ राजनीति स’ कटल रहैत छथि.