• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

आखिर पंजाब स बिहार पहुंचल ‘हीरो’

June 21, 2013
in समाचार, समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
बिहटा मे उत्पादन संयंत्र क राखल गेल नींव
कंपनी क तेसर, जखनकि पंजाब स बाहर पहिल उत्पादन केन्द्र 
लगभग 50 करोड़ क होएत निवेश
दू स ढाई हजार लोक कए भेटत रोजगार
सालाना 10 लाख साइकिल उत्पादन क क्षमता 
7 एकड़ मे स्थापित होएत संयंत्र
पटना : बिहार क लोहा, बिहार क मजदूर आ बिहारक बाजार रहैत पंजाब स साइकिल आयात करबाक दुख खत्म भ गेल। बिहार मे बदलैत औद्योगिक माहौल कए देखैत देशक उद्योगपति आब बिहार मे अपन संयंत्र लगेबा लेल आगू आबि रहल छथि। एकर ताजा उदाहरण देश क सबस पैघ साइकिल निर्माता कंपनी हीरो साइकिल्स लिमिटेड क नवका संयंत्र अछि। शुक्रदिन पटना स 37 किलोमीटर दूर बिहटा क लॉजिस्टिक आ औद्योगिक पार्क मे कंपनी क नबका उत्पादन संयंत्र क आधारशिला राखल गेल। कंपनी क इ तेसर संयंत्र अछि, मुदा पंजाब स बाहर इ पहिल उत्पादन केन्द्र अछि। एहि केन्द्र स सालान 10 लाख इकाइ क उत्पादन क लक्ष्य अछि। राज्य सरकार क सहयोग आ बियाडा क पहल स कंपनी संयंत्र स्थापित करबा लेल लगभग 50 करोड़ निवेश क योजना अछि। एहि संयंत्र स वर्ष 2014 स उत्पादन शुरू भ जाएत। बिहटा क औद्योगिक पार्क मे 7 एकड़ भूमि मे पूरा संयंत्र स्थपित होएत। एकर स्थापना स करीब दू स ढाई हजार लोक कए रोजगार भेटत। एहि अवसर पर हीरो साइकिल्स क अध्यक्ष ओपी मुंजाल कहला जे हुनका खुशी अछि जे पंजाब स बाहर हुनकर संयंत्र बिहार मे खुलल अछि। ओ कहला जे इ हुनक उत्पादन उपस्थिति दर्ज करेबाक रणनीति क हिस्सा अछि। ओ बिहार मे अपार संभावना कए रेखांकित करैत कहला जे हुनकर लुधियाना संयंत्र मे 90 प्रतिशत कर्मचारी बिहार स छथि आ हुनकर लगन आ मेहनत से कंपनी आगू बढ़ि रहल अछि। ओ कहला जे बिहटा संयंत्र स कंपनीक उत्पादन क्षमता दस लाख तक पहुंच जाएत आ एहि क्षेत्र लेल साइकिल उत्पादन संभव भ सकत। कंपनी क सहायक अध्यक्ष आ मैनेजिंग डायरेक्टर पंकज मुंजाल कहला जे बिहटा संयंत्र आधुनिक शॉप फ्लोर,बेहतरीन उत्पादन सुविधा आ अत्याधुनिक तरीका स माल प्रबंधन स लैस होएत। बिहार मे इ अपन तरह क पहिल एहन संयंत्र होएत जाहि ठाम  पीयूएफ शेड होएत जे बाहरी तापमान स संयंत्र कए 10 डिग्री सेल्सियस कम राखत। एहि स कर्मचारी कए अनुकूल माहौल भेटत। ओ कहला जे एहि संयंत्र क स्थापना स पूर्वी भारत मे कंपनीक हिस्सेदारी बढत। शुरुआत मे केवल बिहार आ झारखंड मे साइकिल क पूर्ति कैल जाएत। बाद मे पूर्वी भारत क सबटा राज्य मे मांग क अनुरूप पूर्ति होएत। कलकत्ता पोर्ट नजदीक भेला स दक्षिण एशिया क देश मे निर्यात मे मदद भेटत। एकर अतिरिक्त नेपाल, तिब्बत आ भूटान मे सेहो निर्यात मे असानी होएत।
आधारशिला कार्यक्रम मे शामिल उद्योग मंत्री रेणु कुशवाहा कहलथि जे बिहार मे नहि त टर्बोपोर्ट अछि नहि सी-पोर्ट, राज्य क भौगोलिक बनावट सेहो उद्योग क अनुकूल नहि अछि। एकर बावजूद राज्य सरकार अपन दिस स उद्योग क स्थापना लेल बेहतर माहौल तैयार केलक अछि। हीरो साइकिल कए राज्य सरकार हर संभव मदद करत। ओ स्थानीय लोक स सेहो उद्योगपति कए मदद करबाक अपील केलथि। उद्योग विभाग क प्रधान सचिव नवीन वर्मा कहला जे बिहटा मे शीघ्र शुष्क बंदरगाह क निर्माण पूरा होएत आ केन्द्र सरकार द्वारा प्रस्तावित इंस्टर्रन रेल कॉरीडोर क निर्माण स कंपनी कए काफी सहयता भेटत। बियाडा क एमडी दीपक सिंह कहला जे हीरो साइकिल स राज्य कए बहुत उम्मीद अछि। परम्परा स हटिकए कंपनी कए जमीन उपलब्ध कराउल गेल अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

रामायण मंदिर क ऊचाई होयत आब ४४० फुट

Esamaad Epaper Website

अर्थशास्त्री शैबाल गुप्ता हेताह अगिला वित्तमंत्री!

Esamaad Epaper Website

मैथिली मे पढू भारत क संविधान

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि