नई दिल्ली। बिहार मे दू ठाम भारत-इजरायल कृषि केंद्र क स्थापना भ सकैत अछि। इजरायल दूतावास स जारी एकटा बयान मे कहल गेल अछि जे इजरायल कृषि विकास लेल बिहार संग काज करबाक इच्छुक अछि। एहि संबंध मे इजरायल क राजदूत एलेन उश्पिज आ बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क बीच पटना मे लगभग एक घंटा तक चर्चा भेल। एहि बैसार मे तय भेल अछि जे इजरायल बिहार मे कृषि विकास लेल आधुनिक तकनीक क जानकारी मुहैया कराउत। दूनू सरकार मिल कए राज्य मे दूटा कर्षि केंद्र क स्थापना करत जे फल आ तरकारी क खेती पर बेसी स बेसी ध्यान देत।
एहि बैसार मे जल प्रसंस्करण, मत्स्य पालन, दुग्ध उद्योग, खाद्यान्न भंडारण आ सौर ऊर्जा सन क्षेत्र मे सहयोग पर सेहो विचार विमर्श भेल। उश्पिज नीतीश कुमार कए इजरायल एबा लेल सेहो आमंत्रित केलथि। राजदूत कहला जे बेशक इजरायल आ बिहार क बीच सहयोग क काफी सम्भावना अछि। हमरा उम्मीद अछि जे अगिला किछु मास मे हम फल, तरकारी, दुग्घ, अनाज भंडारण आ जलक क्षेत्र मे इजरायल क प्रौद्योगिकी कए बिहार क कृषि क्षमता स मिला सकैत छी।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna