पटना। बिहार विकासक रफ्तार मे बाकी राज्य कए पाछु छोडि चुकल अछि। खेती बाड़ी बिहार क अर्थव्यवस्था क जान अछि। राज्य मे 5 मे स 4 गोटे क गुजर बसर खेती स होइत अछि। एहन मे अगर बिहार कए तरक्की क सफर कए जारी रखबाक अछि त ओकर बाट खेत क आडि स भ कए जाइत। एहन मे बिहार आब खेती मे सेहो आन राज्य स आगू जेबाक योजना तैयार क लेलक अछि। एहन मे राज्य सरकार खेती लेल सबस पैघ परेशानी रहल सिंचाई व्यवस्था कए ठीक करबा लेल आ अगिला दू साल बाद पर्याप्त बिजली उपलब्ध हेबाक परिस्थिति मे सिंचाई लेल पर्याप्त बिजली मुहैया करेबा क लक्ष्य ल खेती लेल अलग ट्रांसमिशन लाइन बिछेबाक काज शुरू क देलक अछि। किसान क कहब अछि जे एहि स उत्पादन दोगुना तक बढि सकैत अछि।
किसान क दावा अछि जे नालंदाक आलू आइ रूस निर्यात करबाक प्रयास कैल जा रहल अछि। एकर अलावा लीची, आम समेत कईटा कृषि उत्पाद लेल बिहार दुनिया मे नाम कमा सकैत अछि। मुदा सिंचाई आ खेती स जुडल कोनो ठोस पॉलिसी नहि रहला स एहि ठामक कृषि क्षेत्र मे क्षमता क मुताबिक विकास नहि भ पाबि रहल अछि, जखन कि राज्य क जीडीपी मे एकर हिस्सा 42 फीसदी अछि। मुदा पिछला 6 साल स सरकार एहि दिस खास ध्यान द रहल अछि।
सरकार क एहि कोशिश क नतीजा सेहो देखा रहल अछि। आजादी क बाद बिहार पहिल बेर पिछला साल कृषि क्षेत्र मे 17 फीसदी स बेसी विकास केलक आ एहि ठाम 166 लाख टन अनाज क उत्पादन भेल, जे देश मे सबस बेसी रहल। एहि स पहिने धान उत्पादन मे एहि ठामक किसान रिकॉर्ड बना चुकल अछि। धान उत्पादन मे विश्व रिकॉर्ड बना चुकल बिहार क नालंदा जिला क दरवेशपुरा गाम क किसान कए 17 साल बाद दोबारा बिजली भेटबाक आस जगल अछि। एहि स पहिने दरवेशपुरा गाम क इ किसान सब एक हेक्टेयर मे 224 क्विंटल धान उपजेबा मे रिकॉर्ड सफलता हासिल केलक, जखनकि एखनधरि दुनिया मे सबस बेसी 190 क्विंटल धान उत्पादन क रिकॉर्ड चीन क एकटा किसान लग छल।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna