पटना । उत्तर आ दक्षिण बिहार कए सडक मार्ग स जोडबा लेल गंगा नदी मे सुरंग बनेबाक योजना पर विचार कैल जा रहल अछि। अगर इ योजना धरातल पर उतरल त बिहार देश मे नदी क भीतर सुरंग बनेनिहार पहिल राज्य भ जाएत । एहि लेल बिहार सरकार नीदरलैंड क मदद स एहि परियोजना कए धरातल पर अनबा लेल प्रयास शुरू क देलक अछि। भारत क एहि पहिल परियोजना कए मूर्त रूप देबा लेल नीदरलैंड एकटा दल पटना आयल छल। जानकारी क अनुसार इ सुरंग गंगा क भीतर उत्तर बिहार मे राघोपुर बिदुपुर (वैशाली) कए राज्य क राजधानी पटना क बाहरी इलाका संग लिंक करत। एहि परियोजना क निर्माण लेल विशेषज्ञ सब लगातार बैसार क रहल छथि। इ साढे पांच किमी लंबा एहि सुरंग कए पटना आ हाजीपुर क बीच जर्जर भ चुकल गांधी सेतु क विकल्प क रूप मे सेहो देखल जा रहल अछि।
बिहार सरकार स एहि परियोजना पर चर्च लेल पिछला किछु दिन पहिन रॉयल हासकोनिन आ निर्माण कंपनी स्ट्रोकोन क वरिष्ठ सलाहकार समेत चारि सदस्यीय डच प्रतिनिधिमंडल पटना आयल छल। पिछला सप्ताह इ प्रतिनिधमंडल नदी क कछैर जा स्थल क निरीक्षण केलक ।
डच प्रतिनिधिमंडल 12 फरवरी कए बिहार क सड़क निर्माण विभाग क प्रधान सचिव पी अमृत संग एहि परियोजना पर लंबा चर्च केलक आ, सुरंग लेल डच नवीन प्रौद्योगिकी पर एकटा प्रस्तुति सेहो देलक ।
एहि चर्च लेल राजमार्ग क मंत्रालय, भारत सरकार सेहो अपन मुख्य इंजीनियर (योजना) आर.के. पांडे कए पठेने छल। ओ सेहो डच टीम क प्रस्तुति मे देखलथि । एहि संबंध मे निर्माण विभाग क प्रधान सचिव पी अमृत कहला अछि जे ओ डच फर्म कए पूर्व व्यवहार्यता अध्ययन करबा लेल कहलथि अछि। डच फर्म एहि परियोजनाक संबंध मे किछु आंकडा शीघ्र उपलब्ध करेबाक आश्वासन देलक अछि। ओ कहला जे डच फर्म स आंकडा भेटलाक बाद एहि परियोजना पर आगू डेग बढाउल जाएत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर