• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहार मे बेअसर भेल मंदी, विकास दर 16.71 पहुंचल

July 18, 2012
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना। एकरा जादू कहू या किछु करबाक जूनून मुदा बिहार ओ करि देलक जे किछु साल पहिने तक सपनो मे नहि सोचल जा सकैत छल। दुनिया भरि मे मंदी क कारण विकास क पहिया धीमा भ गेल अछि, मुदा बिहार मे विकास क पहिया पिछला किछु साल मे एहन घूमल जे आब गतिक सबटा रिकार्ड तोडि देलक अछि। बिहार मे विकास दर क नवीनतम आंकडा सामने आबि गेल अछि। आंकडा क अनुसार वर्ष 2011-12 मे बिहार क आर्थिक वृद्धि दर 16.71 प्रतिशत रहल जे पिछला पांच साल मे सर्वाधिक अछि। प्रति व्यक्ति आय सेहो बिहार मे खूब बढल अछि।
बिहार क उपमुख्यमंत्री सह वित्‍तमंत्री सुशील कुमार मोदी अपन आवास पर इ घोषणा करैत कहला जे वित्तीय वर्ष पूरा भेलाक बाद जून मास मे कैल गेल त्वरित आकलन क अनुसार वर्ष 2011-12 मे बिहार क विकास दर 16.71 प्रतिशत दर्ज कैल गेल अछि जे पिछला पांच साल क उच्चतम स्तर अछि। मौजूदा सरकार कए सत्ता मे एलाक बाद पिछला छह साल मे प्रति व्यक्ति आय सेहो 80 प्रतिशत बढि कए 15,470 टका तक पहुंच गेल अछि।
ओ कहला जे वर्ष 2011-12 मे बिहार मे खाद्यान्न क रिकार्ड उत्पादन भेल। वर्ष 2011-12 मे बिहार मे 166.69 लाख टन खाद्यान्न क उत्पादन भेल जखनकि 2010-11 मे 103.47 लाख टन खाद्यान्न उत्पादन भेल छल। मोदी कहला जे कृषि क्षेत्र मे रिकार्ड उत्पादन वृद्धि क बदौलत वर्ष 2011-12 मे बिहार क आर्थिक विकास दर 16.71 प्रतिशत पहुंचल अछि।
राज्य क वित्त मंत्री सुशील कुमार मोदी कहला जे वर्ष 1981-82 स ल कए 1990-91 तक बिहार क आर्थिक वृद्धि औसतन 4.9 प्रतिशत रहल आ 1991-92 स 1995-96 तक एहि प्रदेश क विकास दर शून्य रहल छल। वर्ष 1995-96 स 2001-02 तक इ वृद्धि औसतन 3.8 प्रतिशत रहल।
ओ कहला जे बिहार क विकास दर मे एहि स पहिने जे उतार-चढाव बेसी रहल ओकरा इ सरकार कम केलक अछि आसरकारक प्रयास अछि जे 12म पंचवर्षीय योजना मे बिहार क जे विकास दर अछि ओ 13 प्रतिशत हासिल भ सकए। राज्य सरकार क पूरा तैयारी एहि दिशा मे अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

सेन हेताह नालंदा अंतर्राष्ट्रीय विश्वविद्यालय क प्रथम कुलाधिपति

Esamaad Epaper Website

सुधीर सन अधिकारी लेल अधीर होइत बिहार

Esamaad Epaper Website

तेल तकबा लेल फेर कोरल जाएत मिथिलाक धरती

Comments 3

  1. डा0 चन्द्रमणि. says:
    13 years ago

    नीतीशजी आ’ सुशील कुमार मोदीक किछु करबाक जुनून आ’ दुनुक ट्यूनिंग के परिणाम थिक ई उत्कृष्ट विकास दर । मानव जब जोर लगाता है, पत्थर पानी बन जाता है ।

    Reply
  2. रौशन चौधरी says:
    13 years ago

    हमरा लागि रहल अछि जे की इ सब सिर्फ कागज पर अछि , आ लोक के वेबकुफ बना रहल छैथ सरकार.
    कियाक त जइ राज्य में एखनो लोग भूक स मरैत अछि ताहि राज्य में सिर्फ नेता आ अफसर सब कमई क दर एतेक उच्च भ सकैत अछि
    धन्यबाद.

    Reply
  3. sanjeev jha says:
    13 years ago

    E samad padhi ke man gad gad bhai gel lekin eker asar dharatal par dekha nahi rahal achhi Bihar ke upeksha pure Bharat me bhai rahal achhi ahi lel sab gote athak prayas karu e humar agrah achhi.
    sanjeev jha
    madhubani(uren)
    Bihar

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि