पटना। बिहार मे विश्वविद्यालय क कमी कए दूर करबा लेल सरकार निजी विश्वविद्यालय खोलबाक अनुमति देबा पर विचार क रहल अछि। एहि लेल शिक्षा विभाग एकटा प्रस्ताव तैयार क रहल अछि। अधिकारीक कहब अछि जे प्रस्ताव तैयार भेलाक बाद जल्द स जल्द ओकरा कैबिनेट लग स्वीकृति क लेल पठाउल जाएत। मानल जा रहल अछि जे 18 फरवरी स शुरू भ रहल बजट सत्र मे विधानमंडल मे संबंधित विधेयक पेश होएत। एकर अन्तर्गत दोसर राज्य मे संचालित निजी विश्वविद्यालय सेहो अपन शाखा बिहार मे खोलि सकत।
सूत्र क कहब अछि जे यदि निजी विश्वविद्यालय कए बिहार मे मंजूरी भेट गेल त ओ प्रदेश क 10 सरकारी विश्वविद्यालय जेकां काज करत। ओकर प्रमाण पत्र आ पाठ्यक्रम कए मान्यता देल जाएत.। यद्यपि, विधेयक मे निजी विश्वविद्यालय पर अंकुश लगा कए रखबा लेल सेहो प्रावधान कैल जा रहल अछि।
एखनधरि तीन-चार साल क भीतर राज्य सरकार कए निजी विश्वविद्यालय खोलबा लेल करीब आधा दर्जन प्रस्ताव भेटल अछि। इ विश्वविद्यालय अगर खुलैत अछि त ओ आर्यभट्ट ज्ञान विश्वविद्यालय स संबद्ध होएत। आर्यभट्ट ज्ञान विश्वविद्यालय क स्थापना एहि उद्देश्य क संग कैल गेल अछि।
अधिकारीक कहब अछि जे निजी विश्वविद्यालय लेल किछु मानक तय होएत। पंजीकृत सोसाईटी/ट्रस्ट केवल शिक्षा विभाग कए आवेदन द सकैत अछि। आवेदन क संग शिक्षक, कोर्स, शोध कार्य, आधारभूत संरचना, खर्च आ वित्त क जानकारी देबाक होएत। आवेदन मे देल गेल जानकारी क भौतिक जांच सरकार क कमिटी करत। यूजीसी क मानक क अनुसार विद्यार्थी कए सुविधा देखल जाएत। जे कोर्स चलत ओकरा लेल संबंधित अथॉरिटी स अनुमति लेब जरूरी होएत। पूर्णकालिक योग्य शिक्षक क नियुक्ति जरूरी होएत। जानकारक कहब अछि जे सरकार अगर इ अनुमति दैत अछि त उच्च शिक्षा क क्षेत्र में बिहार मे भारी निवेश क संभावना बनत, किया त आन राज्यक निजी विश्वविद्याल मे अधिकतर बिहार क छात्र पढैत छथि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर