पटना । बिहार मे औद्योगिक भूमि क किल्लत स निपटबा लेल सरकार 7टा नव औद्योगिक पार्क स्थापित करबाक फैसला लेलक अछि। सरकार नालंदा, भागलपुर, बक्सर, लखीसराय, बांका, मधेपुरा और बेगूसराय कुल 7टा जिला मे 4,547 एकड़ भूमि कए अधिग्रहित करत । दोसर दिस , राज्य सरकार बिहार मे निजी औद्योगिक पार्क कए सेहो बढ़ावा देबा क नीति बना रहल अछि।
उद्योग मंत्री रेणु कुशवाहा विधानसभा मे कहलथि जे राज्य मे निवेश आकर्षित करबा लेल जमीन काफी जरूरी अछि। एहि लेल हम निवेशक क मदद करबा लेल जमीन क व्यवस्था क रहल छी। चालू वित्त वर्ष मे बिहार औद्योगिकी भूमि विकास प्राधिकार (बियाडा) 511 एकड़ भूमि क अधिग्रहण केलक अछि। एहि मे स 200 एकड़ भूमि 336 निवेशक कए सौंप देल गेल। एकर अलावा , राज्य सरकार नालंदा, भागलपुर, बक्सर, लखीसराय, बांका, मधेपुरा आ बेगूसराय मे 4,547 एकड़ अधिग्रहण करबा क योजना तैयार केलक अछि। एहि सात ठाम नव औद्योगिक पार्क स्थापित कैल जाएत । एहि बारे मे हमरा सब कए किसान क मदद क जरूरत होएत, जे एखन धरि सरकारक संग दैत एलाह अछि। एकर अलावा , राज्य सरकार क काफी जमीन बेकार पडल अछि। सरकार अपन बेकार पडल जमीन कए उपयोग मे अनबा लेल योजना बनारहल अछि।
ओ कहलथि जे उद्योग विभाग क महत्वाकांक्षी मेगा औद्योगिक पार्क सेहो अगिला वित्त वर्ष मे बनि कए तैयार भ जाएत। बिहटा मे विकसित भ रहल एहि 350 एकड़ क औद्योगिक पार्क मे भारतीय उद्योग जगत क कईटा दिग्गज कंपनी अपन ईकाइ स्थापित क रहल अछि। एहि ठाम हीरो साइकिल्स आ रेमंड प्रमुख अछि। एकर अलावा, राज्य सरकार हर जिला मे एकटा औद्योगिक क्षेत्र स्थापित करबाक फैसला लेलक अछि, जाहि मे छोट आ मध्यम स्तर क ईकाइ कए जमीन देल जाएत। उद्योग विभाग क 528 करोड़ क बजट आवंटन पर मंत्री विधानसभा मे कहलथि जे एहि बारे मे सब जिलाधिकारी कए पत्र लिखल जा चुकल अछि। हुनका 25-100 एकड़ जमीन क व्यवस्था करबा लेल कहल गेल अछि।
संगहि, राज्य सरकार बिहार मे निजी औद्योगिक ईकाइ कए सेहो प्रोत्साहित करबा मे लागल अछि। मंत्री कहलथि जे एहि संबंध मे प्रक्रिया आखिरी चरण मे अछि। जल्द एकटा नीति क एलान राज्य सरकार करत। बीतल 7 साल मे बिहार मे 3 लाख करोड़ स बेसी क निवेश प्रस्ताव आयल अछि। हालांकि, जमीन क कमी क वजह स एहि मे स ज्यादातर जमीन पर नहि उतरि सकल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर