पटना। आखिरकार बिहार सरकार ओ डेग उठा लेलक जेकर सब बाट ताकि रहल छल। उपमुख्यमंत्री सह वित्तमंत्री आखिरकार अपन चेतावनी कए कार्रवाई मे बदलि देलथि। बिहार सरकार 21टा राष्ट्रीय बैंक कए ब्लैकलिस्ट क देलक अछि। बिहार सरकार ग्राहक कए कर्ज नहि देबाक कारण 21टा राष्ट्रीय बैंक कए ब्लैकलिस्ट करबाक फैसला केलक अछि। एहन मे आब एहि 21टा राष्ट्रीय बैंक मे स बिहार सरकार अपन जमाराशि बाहर निकाली लेत संगहि एहि बैंक सब मे अपन खाता बंद करबाक फैसला केलक अछि। राज्य सरकार एहि बैंक सब स राज्य सरकार क सबटा खाता बंद करबाक आदेश द देलक अछि।
बिहार सरकार जाहि 21टा बैंक कए ब्लैकलिस्ट केलक अछि ओहि मे विजया बैंक, यूको बैंक, देना बैंक, यूनियन बैंक ऑफ इंडिया, आंध्रा बैंक, इंडियन बैंक, यूनाइटेड बैंक ऑफ इंडिया, ओरिएंटल बैंक ऑफ कॉमर्स, जम्मू एंड कश्मीर बैंक, इंडियन ओवरसीज बैंक, बैंक ऑफ महाराष्ट्र, पंजाब एंड सिंध बैंक आ स्टेट बैंक ऑफ बीकानेर एंड जयपुर सन सरकारी बैंक क नाम शामिल अछि।
हालांकि एसबीआई, पीएनबी आ केनरा बैंक कए लोन देबा क नीक रिकॉर्ड कए देखैत ब्लैकलिस्ट नहि कैल गेल अछि। ओतहि बिहार सरकार एक्सिस बैंक, आईसीआईसीआई बैंक, फेडरल बैंक, साउथ इंडियन बैंक, आईएनजी वैश्य बैंक आओर कोटक महिंद्रा बैंक सन प्राइवेट सेक्टर क पैघ बैंक कए सेहो ब्लैकलिस्ट क देल गेल अछि।
दरअसल बिहार सरकार कई साल स बैंक सब स लोन रेश्यो सुधारबाक आग्रह करैत छल। सरकार क कहब अछि जे इ बैंक स बिहार मे जेतबा टका जमा लैत अछि ओहि अनुपात मे बहुत कम कर्ज बांटी रहल अछि जाहि स बिहार राज्य क नव कारोबारी, किसान आ छोट छोट कारोबारी कए टका जरूरत पूरा नहि भ पाबि रहल अछि। बैंक सरकार क मांग कए नजरअंदाज करैत रहल अछि आ कर्ज देबा मे आनाकानी करैत रहल अछि। बैंक क एहि रवैश कए देखैत राज्य सरकार इ कार्रवाई केलक अछि। बिहार सरकारक एहि कार्रवाई स बैंक जगत मे हडकंप मचल अछि आ अधिकतर बैंक क उच्च अधिकारी बिहार सरकार कए मनेबा मे जुटि गेलाह अछि। उम्मीद कैल जा रहल अछि जे सरकार क एहि कार्रवाई क बाद बैंक बिहार मे कर्ज देबा लेल आब आनाकानी नहि करत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper