• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहार मे 28 साल बाद 11 दिसंबर कए होएत छात्र संघ चुनाव

October 12, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना | प्राचीन विश्वविद्यालय मे स एक पटना विश्वविद्यालय मे 28 साल बाद 11 दिसंबर कए छात्र संघ क चुनाव करेबाक घोषणा भ गेल अछि। एहि स जतए छात्र संगठन मे प्रसन्नता अछि ओतहि चुनाव स माहौल सेहो गरमा रहल अछि। पटना विश्वविद्यालय क कुलपति प्रो़ शंभुनाथ सिंह चुनाव घोषणा करैत कहला जे इ चुनाव लिंगदोह कमेटी क सिफारिश क आधार पर नहि भ सकत।
ओना त सबटा छात्र संगठन एकर स्‍वागत के लक अछि आ कहलक अछि जे एहि स छात्रक समस्‍या क नीक स निदान भ सकत, मुदा राष्ट्रीय जनता दल (राजद) क छात्र इकाई क बिहार प्रदेश अध्यक्ष स्वदेश कुमार कहला अछि जे चुनाव लिंगदोह कमेटी क सिफारिश क आधार पर नहि भेला स हम सब दुखी छी। ओना किछु छात्र नेता कोर्ट जेबाक गप सेहो केलथि मुदा एखन अपन नाम जाहिर करबा स परहेज केलथि।
छात्र जनता दल (युनाइटेड) क प्रदेश अध्यक्ष रंजन कुमार कुलपति क एहि फैसला कए हिम्मत वाला फैसला करार देलथि आ कहला जे चुनाव न केवल पटना विश्वविद्यालय मे, बल्कि राज्य क सबटा विश्वविद्यालय मे हेबाक चाही।
भारतीय राष्ट्रीय छात्र संगठन (एनएसयूआई) क नेता वरुण सेहो एहि फैसला क स्वागत केलथि, मुदा ऑल इंडिया स्टूडेंट्स एसोसिएशन (आइसा) क नेता अभ्युदय क कहब अछि जे इ छात्र संगठन क लड़ाई क पहिल जीत छी। छात्र क भावना क ख्याल आ ओकर समस्या क समाधान नहि विश्वविद्यालय प्रशासन क सकैत अछि आ नहि सरकार। छात्र क ख्याल छात्र संगठन टा क सकैत अछि। ऑल इंडिया स्टूडेंट्स फेडरेशन (एआईएसएफ ) क सुशील कुमार सेहो कुलपति क एहि निर्णय कए सही कहला अछि।
गौरतलब अछि जे बिहार क कोनो विश्वविद्यालय मे वर्ष 1984 क बाद छात्र संघ क चुनाव नहि भेल अछि। एहि चुनाव लेल छात्र संगठन बराबर आंदोलनरत रहल अछि।
बिहार मे अंतिम छात्र संघ क चुनाव वर्ष 1984 मे पटना विश्वविद्यालय मे भेल छल। एहि स पूर्व मगध विश्वविद्यालय मे 1980 मे छात्र संघ क चुनाव भेल छल। एकर बाद छात्र संघ चुनाव क मांग लगातार उठैत रहल मुदा चुनाव नहि भेल।
ज्ञात हुए जे राजद अध्यक्ष लालू प्रसाद, भारतीय जनता पार्टी (भाजपा) क नेता आ राज्य क उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी, स्वास्थ्य मंत्री अश्विनी चौबे पटना विश्वविद्यालय छात्र संघ क नेता रहल छथि। 28 वर्ष पूर्व भेल चुनाव मे शंभु शर्मा अध्यक्ष आ रणवीर नंदन महासचिव निर्वाचित भेल छलाह।

एहि वर्ष नौ जनवरी कए मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जखन पटना कॉलेज क दौरा केने छलाह, तखन ओ स्पष्ट कहने छलाह जे राजनीति कए प्रोत्साहित करबा लेल छात्र संघ चुनाव क आवश्यकता अछि। तखने स इ तय मानल जा रहल छल जे आब छात्र संघ चुनाव होएत।
उल्लेखनीय अछि जे बिहार मे कुल 15टा विश्वविद्यालय अछि। दरभंगा बिहार क एहन एक मात्र शहर अछि, जाहि ठाम एकहि परिसर मे दूटा विश्वविद्यालय अछि- ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय आ कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय। एहि दूनू विश्वविद्यालय मे सेहो तीन दशक से छात्र संघ चुनाव नहि भ सकल अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

एहन कार्रवाई स सुशासन क उम्‍मीद कोना करू नीतीश बाबू

अपन 'ओरिजनल काम' देखा देलक मैलोरंग

प्रशांत अपन प्रमिका संग बरामद

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि