मुजफ्फरपुर : विश्वविद्यालय अनुदान आयोग क कृपा कही बा बिहार विवि क पदाधिकारी क लाइजनिंग क असर, मुदा एतबा जरूर जे बहुत दिन क बाद बिहार विवि क विकास लेल एतबा पैघ रकम भेटल अछि। यूजीसी 12वीं पंचवर्षीय योजना क प्रथम चरण मे 13.72 करोड़ टका आवंटित केलक अछि। एहि राशि स पीजी विभाग आ केंद्रीय पुस्तकालय मे पुस्तक , उपकरण क खरीद क संगहि विवि भवन आ छात्रावास क जीर्णोद्धार कैल जाएत। स्वास्थ्य केंद्र क सेहत सेहो ठीक कैल जाएत। कुलपति डॉ. रवि वर्मा आ विकास अधिकारी डॉ. विपिन कुमार राय राशि अनबा लेल काफी दिन स लागल छलाह। गत पंचवर्षीय योजना क अंतिम किस्त क राशि आ वर्तमान योजना क प्रथम किस्त क राशि खर्च नहि भ सकल छल। ताहि कारण स वित्तीय वर्ष क समाप्ति क बाद दूनू किस्त क करीब 3 करोड़ स बेसी राशि लैप्स भ गेल। पदभार ग्रहण केलाक बाद कुलपति राशि क वापसी क जोर आजमाइस क रहल छलाह। गत योजना क राशि त नहि भेटल मुदा , प्रथम किस्त क 1.83 करोड़ जोड़िकए करीब 14 करोड़ टका भेट गेल। यूजीसी एहि आशय क पत्र विवि कए पठा देलक अछि। शीघ्र इ राशि विवि क खजाना मे आबि जाएत।
ओना राशि देबाक संगहि पत्र मे यूजीसी चेयरमैन आगाह केलथि अछि जे विवि क जल्द स जल्द नैक स मूल्यांकन हेबाक चाही। अन्यथा भविष्य मे अनुदान बंद क देल जाएत।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa