• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहार संग एहन उपेक्षा कहिया तक : मोदी

August 16, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

“2009-10 क अवधि मे दिल्ली आ चंडीगढ़ कए 32,400 करोड़ टका क कृषि ऋण देल गेल, जखकि एहि अवधि मे बिहार, उत्तर प्रदेश, पश्चिम बंगाल आ झारखंड कए मिला कए 31 हजार करोड़ क ऋण देल गेल।”

पटना। उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी एक बेर फेर केंद्र पर निशाना साधलथि अछि। ओ आरोप लगेलाह अछि जे कृषि ऋण देबा मे बिहार सन कृषि प्रधान राज्‍य संग केंद्र द्वारा भेदभाव क रहल अछि। उपमुख्यमंत्री कहला अछि जे दिल्ली आ चंडीगढ़ सन क्षेत्र मे किसान क आबादी बहुत कम अछि आ कृषि उत्पादन मे योगदान नगण्य अछि मुदा हुनका कृषि ऋण बिहार क किसान स बेसी भेट रहल अछि, जखनकि बिहार क घोर उपेक्षा कैल जा रहल अछि। भारत सरकार कए दोषी बैंक सब पर कार्रवाई करबाक चाही, किया त कृषि ऋण क दोसर मद मे उपयोग भ रहल अछि।
मोदी कहला जे राष्ट्रीय कृषि आ ग्रामीण विकास बैंक (नाबार्ड) क आंकडा क अनुसार 2009-10 क अवधि मे दिल्ली आ चंडीगढ़ कए 32,400 करोड़ टका क कृषि ऋण देल गेल, जखकि एहि अवधि मे बिहार, उत्तर प्रदेश, पश्चिम बंगाल आ झारखंड कए मिला कए 31 हजार करोड़ क ऋण देल गेल। इ कृषि प्रधान राज्‍य संग घोर मजाक अछि।
उपमुख्यमंत्री आरोप लगेलाह जे बिहार मे कृषि ऋण कए चुकेबाक दर सेहो अन्‍य राज्‍य स बेसी अछि,मुदा बैंक द्वारा तरजीह नहि देल जा रहल अछि आ लगातार पक्षपात कैल जा रहल अछि। दिल्ली मे ग्रामीण आ कृषि प्रधान आबादी 4.19 लाख आ चंडीगढ़ मे 29 हजार अछि, जखनकि बिहार मे नौ करोड़ स बेसी लोक ग्रामीण क्षेत्र मे रहैत छथि।
ओ कहला जे दिल्ली आ चंडीगढ मे सस्‍ता ब्याज दर पर कृषि ऋण प्राप्त क लोक ओकरा बैंक मे जमा क द रहल छथि। इ सस्‍ता कृषि ऋण क दुरुपयोग अछि। मोदी आरोप लगेलाह जे सार्वजनिक वितरण प्रणाली क तहत बिहार क बीपीएल परिवार कए केरोसिन तेल आवंटन मे सहो केंद्र भेदभाव क रहल अछि।
दिल्ली मे बिजली क आपूर्ति काफी अछि जखन कि बिहार मे कम, तखनो राज्य क बीपीएल परिवार कए केरोसिन तेल क आवंटन दिल्‍ली स कम भ रहल अछि। ओ कहला जे प्रति बीपीएल परिवार दिल्ली मे 12.5 लीटर केरोसिन तेल एक मास मे देल जा रहल अछि जखनकि बिहार मे इ मात्र तीन लीटर प्रति मास स कम देल जा रहल अछि।
दिल्ली मे 3.56 लाख बीपीएल परिवार अछि जखनकि बिहार मे एक करोड़ स बेसी एहन परिवार रहैत अछि। उपमुख्यमंत्री कहला जे एहि सबटा मसला कए उचित मंच पर उठाउल जाएत। सांसद सब स सेहो एहि मसला पर विचार विमर्श होएत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

शिक्षक पद पर नियोजन क लेल आवेदन प्रक्रिया स प्रारंभ

Esamaad Epaper Website

नहि बंद होएत ललित बाबू हत्‍याकांड क सुनवाई

Esamaad Epaper Website

कुलपतिक बाट तकैत बिहार क विश्‍वविद्यालय

Comments 1

  1. dr dhanakar thakur says:
    13 years ago

    2009-10k baat sushil modike 2012 me malum padlainhi?
    NDAk Bihari sansad kiyak Dillime chahthi. O IPL par anashan kartah mudaa ehen gap pata seho nahi chalalanhi?
    Takhan vikas kona hoyat?

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि