बेगूसराय। बेगूसराय क मेधावी छात्र सर्वेश बिहार क नहि बल्कि देश क नाम रोशन केलक अछि। बेगूसराय क इटवा डीएवी पब्लिक स्कूल स दसवीं परीक्षा मे बेहतर अंक स उत्तीर्ण करनिहार सर्वेश वल्र्ड माइंड हंटर प्रतियोगिता मे विश्व भर मे प्रथम स्थान पाबि गदगद करि देलथि अछि। ओ नासा क सहयोग स दू मास मे द्रव्य स ठोस पदार्थ क निर्माण केलथि अछि। हिनकर उत्कृष्ट खोज क लेल राष्ट्रपति श्रीमती प्रतिभा पाटिल ‘प्राइड ऑफ आवर नेशन एवार्डÓ देबाक घोषणा केलथि अछि। राष्ट्रपति भवन से जारी पत्र मे सर्वेश कए ‘रेन वाटर हार्वेस्टिंगÓ पर सफलता पूर्वक शोध क लेल बधाई सेहो देल गेल अछि।
ज्ञात हुए जे पिछला साल अमेरिका आ नासा संयुक्त रूप स वल्र्ड माइंड हंटर प्रतियोगिता क आयोजन कैल गेल छल। प्रतियोगिता मे विलक्षण प्रतिभा क धनी सर्वेश प्रथम आनि कए विश्व स्तर पर तहलका मचा देलथि अछि। एहि सफलता क बाद ओ नासा क बाल वैज्ञानिक दल मे अपन स्थान सुनिश्चित करि लेलथि अछि। मध्यम वर्गीय परिवार स ताल्लुक रखनिहार सर्वेश क माइ सदर अस्पताल, बेगूसराय मे ‘ए ग्रेडÓ क नर्स है, जबकि पिता श्याम किशोर सिंह साधारण ठेकेदार छथि। अपन बेटा क सफलता पर दूनू बेहद गौरवान्वित छथि। सरिता कुमारी कहलथि जे सर्वेश बच्चे स खोजी प्रवृति क अछि। एखन धरि ओ बिना कोनो कोचिंग संस्थान मे गेने मात्र इटवा डीएवी विद्यालय मे पढ़ाई करि कए कईटा रिसर्च कए मुकाम तक पहुंचेलक अछि। स्कूल अपन एहि छात्र लेल किछु करबा लेल तैयार अछि।
सर्वेश विष्णुपुर स्थित अपन आवास पर कहला जे ओ बिना कोनो तार कए विद्युत प्रवाहित करबाक प्रोजेक्ट पर काफी शोध केलहुं अछि। फिलहाल ओ लिक्विड स ठोस पदार्थ बनेगा क सिद्धान्त प्रस्तुत करबा लेल तीन मार्च कए प्रथम गोल्ड मेडल पुरस्कार स सम्मानित कैल गेल।
अपन शोध क संबंध मे सर्वेश कहला जे नासा क सहयोग स ओ दू मास क प्रयास स लीक्विड स ठोस पदार्थ क निर्माण केलथि अछि। एहि शोधपरक पद्धति स 80 प्रतिशत तक मेटल क बचत कैल जा सकैत अछि। एहि प्रोजेक्ट कए उद्योगपति रतन टाटा सेहो काफी प्रशंसा केलथि अछि। एहि पद्धति क विशेषता इ अछि जे एहि स सोलिडोलीक्विड मेटल क निर्माण स साउंड कोलिजन्स खत्म भ जाएत। एहि स ग्लोबल वार्मिग सेहो कम होएत।
Sharwesh Jee bahut bahut dhanybad ahi sanak saput san Bihar pher appan gourab gatha ke etihash ke dohrayat.