मुंबई । महाराष्ट्र मे एक बेर फेर हम पिटा गेलहुं। भारतीय हेबाक गर्व करैत मराठी क हाथ एक बेर फेर बिहार क लोक कए पिटबा लेल उठल। कांग्रेस सरकार एक बेर फेर बिहारी कए पिटबा लेल राज ठाकरे कए छूट द देलक। उत्तर भारतीय संग महाराष्ट्र नव निर्माण सेना (एमएनएस) क इ गुंडई नव नहि अछि। सोमदिन एमएनएस कार्यकर्ता महाराष्ट्र क सतारा जिला क सैनिक स्कूल मे जेना गुंडागर्दी केलक आ बिहार क छात्र कए पीटलक ओ बिना सरकारक छूट स संभव नहि छल। बिहार क छात्र सैनिक स्कूल मे दाखिला लेबा लेल गेल छलाह, जे पूर्ण रूप स योग्यताक आधार पर राष्ट्रीय स्तर पर आयोजित होइत अछि। एहि गुंडागर्दी कए समाजसुधार क जामा पहिरा एमएनएस कार्यकर्ता आरोप लगा रहल अछि जे छात्र दाखिला लेल फर्जी मेडिकल सर्टिफिकेट क इस्तेमाल क रहल छलाह। सवाल अछि जे कांग्रेस सरकार इ जांच क जिम्मा केकरा देने अछि । कोनो बहाने बिहारी कए पिटबाक काज आखिर महाराष्ट्र मे कहिया धरि होइत रहत। एमएनएस क एहि बदसलूकी आ गुंडागर्दी क खिलाफ आवाज उठब शुरू भ गेल अछि। बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार संग जेडीयू नेता शरद यादव आ शिवानंद तिवारी तक सवाल उठेलथि अछि जे की बिहार देश क हिस्सा नहि छी। आ अगर छी त दोषी पर महाराष्ट्र सरकार कार्रवाई करए। बीजेपी सेहो एमएनएस क गुंडागर्दी लेल महाराष्ट्र सरकार कए कोसलक अछि। बीजेपी नेता मुख्तार अब्बास नकवी कहला अछि जे आखिर किया बेकसूर लोक कए पीटल जा रहल अछि। दोषी क खिलाफ कार्रवाई किया नहि भ रहल अछि । राजद आ लोजपा एक बेर फेर पूरा मामला पर चुप अछि, जखन कि कांग्रेस कार्रवाई क भरोस दैत अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर