दरभंगा। नेपालक विद्वान डा. उमेश कुमार झा ललन कहला अछि जे भारत नेपाल क संबंध बेटी रोटी क अछि। दूनू देश क बीच राजनीतिक स्थिति जे हुए मुदा सामाजिक आ सांस्कृतिक संबंध मे कोनो अंतर नहि पड़ल अछि। ओ मिथिला संस्कृत स्नातकोत्तर अध्ययन आ शोध संस्थान मे अंतरराष्ट्रीय संबंध क विकास मे बिहार क योगदान विषय पर आयोजित संगोष्ठी क उद्घाटन सत्र मे अंतरराष्ट्रीय संबंध बनेबा मे बिहार क महत्व पर प्रकाश दैत कहला जे एहि ठामक क्रियाकलाप स देश नहि विदेश सेहो लाभान्वित होइत अछि। राजनीति विज्ञान क विद्वान डा. श्रुतिधारी सिंह अपन व्याख्यान मे कहला जे वर्तमान समय मे अंतर्राष्ट्रीय राजनीति मे शांति आ युद्ध क संबंध मे सोच बदलल अछि। एहि मे कोनो न कोनो रूप मे सब राष्ट्र कए आणविक रूप स जुड़ब महत्वपूर्ण कारण अछि। पत्रकार अमलेंदु शेखर पाठक विषय परिवर्तन करैत कहला जे सांस्कृतिक साहित्यिक आ शैक्षणिक क्षेत्र मे उत्कृष्ट क्रियाकलाप क कारण अंतर्राष्ट्रीय संबंध बनेबा मे मिथिलांचल आ बिहार क महत्वपूर्ण स्थान रहल अछि। संगोष्ठी कए डा. श्रीपति त्रिपाठी, डा. सीके तिवारी आदि सेहो संबोधित केलथि।
ज्ञानक केंद्र बनत संस्थान: अखैरी
दरभंगाक प्रमंडलीय आयुक्त गोविंद नारायण अखौरी कहला अछि जे मिथिला शोध संस्थान बहुत जल्द ज्ञानक एकटा महत्वपूर्ण केंद्र बनत। ओ मिथिला संस्कृत स्नातकोत्तर अध्ययन आ शोध संस्थान मे अंतरराष्ट्रीय संबंध क विकास मे बिहार क योगदान विषय पर आयोजित संगोष्ठी क उद्घाटन सत्र कए संबोधित करैत कहला जे इ संस्थान मिथिलांचल क धरोहर अछि। इ साठ साल स काज क रहल अछि मुदा आधारभूत संरचना क अभाव क कारण एकर यथोचित विकास नहि भ सकल अछि। संस्थान मे उपलब्ध बहुमूल्य पांडुलिपि आ पुस्तक क ज्ञान कए आदान-प्रदान करबा लेल आ एहि ठाम एबा लेल जिज्ञासु कए आकर्षित करबा लेल एकर विकास क जरूरत अछि। आयुक्त संस्थान क निदेशक कए एकर विकास लेल एकटा प्रोजेक्ट तैयार करबा लेल कहलथि अछि। ओ कहला जे वर्तमान समय मे राज्य सरकार क ध्यान एहन संस्थान कए विकास दिस अछि। बहुत जल्द इ संस्थान ज्ञान क एकटा मुख्य केंद्र बनत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper